लहरि रूम(किशोर केँ कलम सँ ) : बिहार केँ मिथिला क्षेत्र सँ सटल गोड्डा लोकसभा क्षेत्र मिथिला के क्षेत्र मानल जाइत अछि | एहि ठामक प्रमुख आबादी मे मैथिल ब्राह्मणक छथि , तकर बाद कन्याकुब्जक अछि । कतेको बेर एक दोसरा सँ दुनू समुदाय केँ आमना – सामना होईत रहैत छनि । अधिकांश कन्याकुब्ज उत्तर प्रदेश, मध्य प्रदेश आ गढ़वाल सँ आबि एतय बसल छथि | निशिकांत दुबे कन्याकुब्ज ब्राह्मण छथि । ओ बिहार केँ भागलपुर केँ निवासी छैथ। जाहि कारण सँ आतंरिक आओर बाहरी केँ मुद्दा सेहो एहि आगमी लोकसभा चुनाव मे सुनैग रहल अछि ।
पंडा समुदाय द्वारा भितरघात करबाक बनि रहल अछि योजना !
गोड्डा लोकसभा क्षेत्र मे 1 जून क’ मतदान होएत। भाजपा केँ उम्मीद अछि जे एहि सँ पहिने निशिकांत पंडा समुदाय केँ विरोध के शांत करबा मे कामयाब भ’ जेताह। देवघर मंदिर केँ बाहर संकीर्ण गली मे सम्पूर्ण बाजार अवस्थित अछि | पुरोहितक अतिरिक्त नीचाँ दोकान आ ऊपर घरक सघन संकीर्ण गली मे ब्राह्मण आ वैश्य बेसी छथि | स्थानीय विक्रेता सबके कहबाक छनि जे मंदिर सँ सटल क्षेत्र गलियारा केँ नीचा आबि रहल अछि। ताहि लेल पांडेय विरोध क’ रहला अछि। देवघर शहरि केँ चौक-चौराहा , पानक गुमटी इत्यादि पर खूब राजनीतिक चर्चा होइत अछि जें पंडा समुदाय क’ विरोध हुनकर रोजी-रोटी सँ जुड़ल अछि, ताहि लेल ओ सब जल्द सहमत नहि हेताह। खुलि क’ विरोध नहि करता त’ भितरघात सम्भवे बुझी ।
राजनीतिक जातीय समीकरण मे गोड्डा मे मैथिल ब्राह्मण क’ महत्वपूर्ण प्रभाव अछि। ओना आब चुनावी पंडित लोकनि केँ ब्राह्मण मे बहुत रास गुट भेटैत छनि, जखन कि सब दल मुसलमान, यादव, राजपूत, भूमिहार, कायस्थ, पंचगनिया दलित आ वैश्य मे जोड़-घटा क’ अपन गणना निपटबा मे व्यस्त रहैत छथि । कांग्रेस पहिने महागामा विधायक दीपिका पांडेय सिंह क’ निशिकांत जी केँ विरोध मे अपन उम्मीदवार बनेलक मुदा बाद मे टिकट पोड़ैयाहाट क’ विधायक प्रदीप यादव केँ द’ देलक। एकर कारण जाति आधारित अंकगणित मानल जाइत अछि । देवघर शहर मे भाजपा दबंग मानल जाइत अछि, मुदा गाम-घर मे विपक्षी गठबंधन मजबूत अछि। अस्तु, प्रतिस्पर्धा कठिन अछि. एहि स्थिति मे भाजपा क’ चिंता बढ़ि रहल अछि से बुझना जाइत अछि ।