spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिमोदी कें निशाना पर केजरीवाल आओर राहुल गाँधी

मोदी कें निशाना पर केजरीवाल आओर राहुल गाँधी

-

नई दिल्ली (लहरि) : चारम दिन आई लोकसभा मे राष्ट्रपति के अभिभाषण पर धन्यवाद प्रस्ताव पर भेल चर्चा पर जवाब दैत प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कहलनि जे ई हमरा लेल बहुत सौभाग्यक बात अछि जे देशक जनता 14म बेर राष्ट्रपति कें अभिभाषण पर आभार व्यक्त करबाक मौका देलनि अछि । नरेंद्र मोदी कहलैथ जे राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू केर संबोधन स॑ विकसित भारत केर संकल्प मजबूत होयत , नव आत्मविश्वास उत्त्पन्न होयत आम जनता के प्रेरित करय परत । विपक्ष पर तंज कसैत मोदी कहलनि जे, हम सब गरीब के असली विकास देलहुँ अछि, झूठ कें खाली नारा टा नारा नहि।

केजरीवाल पर बिना नाम लेने हमला करैत मोदी कहलनि जे किछु नेता जकूजी, स्टाइलिश शावर पर ध्यान केंद्रित क’ रहल छथि मुदा हमर सबहक ध्यान हर घर मे जल पर पहुंचेबाक पर अछि। लाखो करोड़ रुपैया बचा लेलौं, मुदा ओकर उपयोग ‘शीशमहल’ बनेबा मे नहि बल्कि देश बनेबा मे केलौं। प्रधानमंत्री मोदी लोकसभा मे अप्रत्यक्ष रूप सँ विपक्ष कें नेता राहुल गांधी क’ निशाना बनेलथि आ कहला जे गरीब क झोपड़ी मे अपन फोटो सेशन करा क’ मनोरंजन करय वाला कें संसद मे गरीबक गप करब नीरस लगैत अछि । मोदी लोकसभा मे कहला जे 2014 सँ पहिने केवल 2 लाख टका क’ आय पर कर मे छूट भेटैत छल, मुदा आइ 12 लाख टका क’ आय तक पूरा कर छूट भेट रहल अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts