नई दिल्ली/ कांग्रेस सोमदिन चालू वित्तीय वर्षक पहिल तिमाहीमे नव निजी निवेश घटि कऽ २० सालक निचला स्तर पर पहुँचि गेलापर चिन्ता व्यक्त कयलक। कांग्रेस आरोप लगओलक जे भाजपा सरकारमे गलत सोचल गेल नीति, परिवर्तन आ भयक वातावरणक कारण देशकेँ नुकसान भऽ रहल अछि।
कांग्रेस महासचिव जयराम रमेश दावा कयलनि, मोदी निर्मित अन्यायक युगमे प्रतिदिन आर्थिक विफलताक एकटा नव कीर्तिमान बना रहल अछि। हम पहिनेसँ ४५ सालक उच्च बेरोजगारी दर, ५० सालक कम घरेलू बचत दर, आ वास्तविक ग्रामीण उपभोगमे पहिल बेर कमी देखि रहल छी। आब हमरा लग एकटा आओर परेशान करए बला तथ्य अछि।
एहि मामलामे रमेश एकटा अंग्रेजी अखबारक हवाला दैत कहलनि जे उक्त अखबारक रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे एहि २०२३/२४ वित्तीय वर्षक अप्रैल-जून तिमाहीमे कॉर्पाेरेट द्वारा घोषित नव निवेश मात्र ४४,००० करोड़ रुपैया अछि, जे ई २० सालक निचला स्तर अछि।
ओ कहलनि, जे जँ हम मनमोहन सिंहक प्रधानमंत्रीक कार्यकालक तुलना गैर-जैविक प्रधानमंत्रीसभक कार्यकालसँ करब तँ ई पता चलैत अछि जे यूपीए सरकारक अवधिमे सकल घरेलू उत्पादक प्रतिशतक रूपमे (समयक सङ्ग औसत) निवेश ३३.४ प्रतिशत छल आ अन्यायक अवधिमे ई २८.७ प्रतिशत छल।
रमेशक अनुसार, मनमोहन सिंहक नेतृत्वमे सकल घरेलू उत्पादक प्रतिशतक रूपमे एफडीआई २००४मे ०.८ प्रतिशतसँ बढ़ि कऽ २०१४ मे १.७ प्रतिशत भऽ गेल आ २०२२ धरि ई आब १.५ प्रतिशत भऽ गेल। ओ आरोप लगओलनि जे भाजपा सरकारक अधीन मूर्खतापूर्ण नीतिगत परिवर्तनष् आ भयक वातावरणसँ देशकेँ नोकसान पहुँचल अछि।