spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिमोदी सरकार केँ बजट सँ नीतीश जी प्रसन्न भेला

मोदी सरकार केँ बजट सँ नीतीश जी प्रसन्न भेला

-

पटना : मोदी सरकार केँ द्वारा आई आम बजट पेश भेला केँ बिहार केँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ पहिल प्रतिक्रिया आयल अछि। मीडिया सँ वार्ता केँ क्रम मे मुख्यमंत्री कहलनि जे वो एहि बेर केँ बजट सँ बहुत प्रसन्न छथि। विशेष राज्य केँ लेल आंदोलन होइत रहल छल। आई जे गोटा बाजि रहला अछि हुनक जखन केंद्र मे सरकार छलनि तखन ओ सब की केला ? विशेष राज्य केँ दर्जा भेटबाक हेतु मांग अनवरत अबैत रहत। आगु अपन वक्तव्य मे मुख्यमंत्री कहलनि जे ओ केंद्र सँ कहने छला जे बिहार केँ या त’ विशेष राज्य केँ दर्जा दिय या विशेष अधिकार केँ लेल सहयोग करू। मुख्य्मंत्री कहने छला बिहार केँ मदद करी से अनेको सहयोग एहि बजट मे बिहार केँ भेटल अछि।


मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मोदी सरकार केँ बजट केँ प्रशंसा करैत ट्वीट कयलनि आओर लिखलनि अछि जे “आई केंद्र सरकार द्वारा जे बजट प्रस्तुत कयल गेल अछि ओ सकारात्मक आ स्वागत योग्य अछि। एहि बजट मे बिहार केँ आवश्यकता पर विशेष ध्यान राखल गेल अछि। एहि केँ तहत बिहार केँ मानव संसाधन विकास आओर बुनियादी विकास पर विशेष ध्यान देल गेल अछि। एहि बजट मे बिहार केँ सड़क संपर्क परियोजना, विधुत परियोजना, एयरपोर्ट, मेडिकल कॉलेज आओर खेल केँ संरचना पर विशेष राशि केँ प्रावधान कयल गेल अछि। संगहि बिहार केँ पर्यटन स्थल केँ विकसित करबाक मे विशेष सहायता केँ घोषणा भेल अछि। बिहार केँ बाइढ़ सँ बचाव केँ लेल बजट मे पैघ घोषणा भेल अछि। कोशी -मोची नदी जोड़ परियोजना, नदी प्रदुषण न्यूनीकरण आओर सिंचाई परियोजना लेल विशेष आर्थिक मदद केँ घोषणा स्वागत योग्य अछि “

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts