लहरि रूम : रविदिन प्रधानमंत्री केँ शपथ लेलाक बाद प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सोमदिन भोर मे साउथ ब्लॉक पहुंचलाह। साउथ ब्लॉक पहुंचैत देरी पीएम मोदी धमाका सँ अपन तेसर कार्यकालक प्रारंभ कयलनि । दरअसल, अपन तेसर कार्यकाल क’ पहिल फैसला मे पीएम मोदी 20 हजार करोड़क किसान निधि जारी केलथि। एहि सँ देशक 9.3 करोड़ किसान क’ फायदा होयत। अधिकारी एहि बारे मे जानकारी देलथि। ओ कहलनि जे, पीएम मोदी कहलनि जे आगामी दिन मे हुनकर सरकार किसान आ कृषि क्षेत्र लेल आओर काज करत। मोदी सरकार केँ तेसर कार्यकालक पहिल कैबिनेट बैसार सेहो आई होबय वाला अछि। मानल जा रहल अछि जे सरकार मंत्रिमंडल केँ बैसार मे सेहो किछ बड़का फैसला ल’ सकैत अछि। कैबिनेट बैसार सँ पहिने सरकार सब मंत्री केँ मंत्रालय बाटल जा सकैत अछि।
मोदी 3.0 मे – प्रधानमंत्री केँ पहिल फैसला किसानक नाम पर, 20 हजार करोड़ केँ सम्मान निधि पारित
-

