spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिमोहन मांझी उड़ीसा केँ नव मुख्यमंत्री बनता

मोहन मांझी उड़ीसा केँ नव मुख्यमंत्री बनता

-

लहरि रूम: मीडिया सूत्र केँ अनुसार मोहन माझी उड़ीसा केँ नवका मुख्यमंत्री बनताह। भाजपा विधायिक दलक नेता चुनल गेलाह। भुवनेश्वर मे आयोजित बैसार मे रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह आ पर्यावरण मंत्री भूपेंद्र यादव केंद्रीय पर्यवेक्षक क’ रूप मे उपस्थित छलाह। बैठक केँ बाद रक्षा मंत्री घोषणा केलनि जे भाजपा नेता मोहन चरण माझी ओडिशा केँ नवका मुख्यमंत्री बनताह। ओ जानकारी देलनि जे केवी सिंह देव आ प्रवासी परिदा कें राज्य केँ उपमुख्यमंत्री चुनल गेल अछि। ई फैसला भाजपा विधानमंडल पार्टीक बैसार मे लेल गेल अछि। राजनाथ केँ अलावा केंद्रीय मंत्री भूपेंद्र यादव एहि मे पर्यवेक्षक केँ रूप मे भाग लेलनि। बता दी जे ओडिशा विधानसभा चुनाव मे भाजपा शानदार जीत दर्ज केलक अछि आओर ओडिशा मे लगभग 24 साल सँ सत्ता मे बैसल बीजू जनता दल (बीजद) केँ सत्ता सँ बेदखल क’ देलक अछि।

उड़ीसा मे सीएम पद के शपथ ग्रहण समारोह बुधदिन होबय वाला अछि। एहि शपथ ग्रहण समारोह मे प्रधानमंत्री मोदी सेहो मौजूद भ’ सकैत छथि। भाजपा शपथ ग्रहण समारोह मे भाजद नेता नवीन पटनायक क’ सेहो आमंत्रित केलक अछि। शपथ ग्रहण समारोह के कारण ओडिशा में 12 जून के आधा दिन के छुट्टी के घोषणा भ’ गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts