पटना : बिहार मे जाड़ बढ़य जा रहल अछि! बंगालक खाड़ी मे एकटा नव चक्रवात आबि रहल अछि, जेकर असर बिहार क मौसम पर सेहो पड़त। मौसम विभाग केँ अनुसार आई मंगलदिन सॅं बिहार केँ किछु जिला मे हल्का बरखा आ तेज हवा बहि सकैत अछि। एहि सँ तापमान कम भ’ जाएत आ जाड़ सेहो बढ़त। चक्रवात केँ अधिकतम प्रभाव दक्षिण बिहार मे देखबा मे आओत। दक्षिण-मध्य आओर पूर्वी भाग केँ किछु जिला मे गरज केँ संग- संग हल्का बरखा सेहो भ’ सकैत अछि । हवा केँ गति 30 सँ 40 किलोमीटर प्रति घंटा भ’ सकैत अछि।
