spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिरक्षा राज्य मंत्री सह रांची सांसद संजय सेठ केँ संस्कृति सम्मान द'...

रक्षा राज्य मंत्री सह रांची सांसद संजय सेठ केँ संस्कृति सम्मान द’ कय सौंपल ज्ञापन : झारखंड मैथिली मंच

-

रांची : लोकप्रिय सांसद संजय सेठ रांची संसदीय क्षेत्र सँ लगातार दोसर बेर विजय हासिल क’ मोदी 3.0 मंत्रिमंडल मे रक्षा राज्यमंत्रीक पदक शपथ लेलाक बाद चारि दिन सँ रांची संसदीय क्षेत्र आयल छलाह। आइ प्रातः 10 बजे फ्लाइट सँ दिल्ली लेल विदा भ’ गेला । आइ भोरे झारखंड मैथिली मंच रांची केँ प्रतिनिधिमंडल समस्त मिथिला समाज केँ प्रतिनिधित्व करैत मंत्री संजय सेठ जी सँ मंचक अध्यक्ष विनय कुमार झा जी केँ संग भेंट केलक। सबसँ पहिने संस्थाक सदस्य लोकनि द्वारा मिथिलाक संस्कृति सम्मान पाग पहिरा, दोपटा ओढ़ा क’ पुष्पगुच्छ प्रदान कयल गेल । तत्पश्चात संस्था केँ महासचिव जयंत झा एवं सदस्य सह वार्ड 26 केँ निवर्तमान पार्षद अरुण कुमार झा द्वारा राऊरकेला – जयनगर ट्रेन सँ संबंधित ज्ञापन सौपल गेल । ज्ञापनक माध्यम सँ संस्था केँ महासचिव जयंत झा कहलनि जे रांची के संग झारखंड में रहय वाला सब मैथिल के लेल राऊरकेला – जयनगर ट्रेन एकमात्र ट्रेन अछि जे उड़ीसा – झारखंड – बंगाल सँ चलि क’ मिथिला क्षेत्र जयनगर जाइत अछि। ई लंबा दूरी केँ हाई स्पीड ट्रेन अछि जेकर परिचालन रेलवे द्वारा सप्ताह मे मात्र तीन दिन होईत अछि। झारखंड मैथिली मंच, रांची, समस्त मिथिला समाज केँ तरफ सँ सांसद संजय सेठ जी केँ माध्यम सँ रेलवे मंत्री सँ मांग करैत अछि जे रौरकेला-जयनगर ट्रेन केँ परिचालन प्रत्येक दिन होई।

आजुक प्रतिनिधिमंडल मे मैथिलीक अध्यक्ष विनय कुमार झा, महासचिव जयंत झा , बाबू लाल झा, अरुण कुमार झा ,वार्ड 25 केँ निवर्तमान पार्षद अर्जुन राम प्रजापति,प्रेम चंद्र झा, नवीन कुमार झा, सुकुमार झा, नरेश झा, आशुतोष झा सहित बहुत रास मैथिल लोकनि उपस्थित छलाह |

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts