spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिरविंद्र सांस्कृतिक मंचक अध्यक्ष बनला अखिलेश मिश्र आ महासचिव बनला भोला झा

रविंद्र सांस्कृतिक मंचक अध्यक्ष बनला अखिलेश मिश्र आ महासचिव बनला भोला झा

-

लहरि रूम (नई दिल्ली) : मैथिली भाषा के महान लेखक, गीतकार, संगीतकार आ कवि रवींद्र नाथ ठाकुर के कृतित्व आ व्यक्तित्व के अगिला पीढ़ी तक पहुँचेबाक उद्देश्य सँ स्वर्गीय रवींद्र के स्मरण रखबाक हेतु रवींद्र सांस्कृतिक मंच नामक संस्था के गठन कयल गेल अछि। काइल दिनाँक 09 मार्च क’ मयूर विहार, फेज – 1 मे बैसार आहूत क’ निर्णय लेल गेल।

बैसार मे अखिलेश मिश्र के अध्यक्ष, विभा सिंह के उपाध्यक्ष, भोला झा के महासचिव, मदन झा के कोषाध्यक्ष आ हेमंत झा जी के संयोजक बनाओल गेल। बैसार में अखिल भारतीय मिथिला संघ के महासचिव विद्यानंद ठाकुर के संग मैथिली साहित्य सभा के अध्यक्ष राहुल झा, बोधकृष्ण झा, विमल मिश्र, हरिशंकर तिवारी, सुधीर झा, संजीव झा,आशीष नीरज, आनंद दास, वाल्मिकी प्रसाद सिंह आदि उपस्थित छला। अहि बैसार मे निर्णय लेल गेल जे 6 अप्रैल 2025 क’ ITO स्थित राजेंद्र भवन मे स्वर्गीय रवींद्र नाथा ठाकुर के जयंती पर कार्यक्रम के आयोजन होयत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts