लहरि रूम : चुनाव जितबाक उपरांत रांची केँ सांसद संजय सेठ दिल्ली चलि गेल छला। NDA केँ सरकार मे श्री सेठ प्रधानमंत्री मोदी केँ मंत्रिमंडल मे छथि। श्री सेठ केँ रक्षा राज्य मंत्री बनाओल गेल छनि। रक्षा मंत्री राज नाथ सिंह जिक सानिध्य मे हिनका काज करैक अवसर भेटतनि। आज 14 जून क’ श्री सेठ चारि दिनक दौरा पर रांची आयल छथि। रांची अयला केँ बाद एयरपोर्ट पर हिनक भव्य स्वागत भारतीय जनता पार्टी केँ कार्यकर्त्ता लोकनिक द्वारा कयल गेल। एयरपोर्ट सँ जहिना संजय सेठ बाहर अयलनि , सर झुका क’ रांची केँ धरती केँ सर झुका क’ वंदन कयलनि। संजय सेठ केँ भारतीय जनता पार्टी केँ कार्यालय मे भव्यता केँ संग कयल गेल। जाहि मे संगठन केँ प्रदेश अध्यक्ष बाबू लाल मरांडी , राजयसभा सांसद दीपक प्रकाश , कांके विधायक समरी लाल , राज्य सभा सांसद आदित्य साहू उपस्थित छला।
Trending Now

रांचीक सांसद संजय सेठ (रक्षा राज्य मंत्री ) केँ रांची पहुँचला पर भेल भव्य स्वागत
-