भारतीय क्रिकेट टीम भारत( घर) मे लगातार 17 सिरिज जीतल। इंग्लैण्ड द्वारा हैदराबाद केँ पहिल टेस्ट मैच मे भारतीय क्रिकेट टीम 28 रन सँ परास्त भेल छल। अपन क्रिकेट टीम संग कप्तान रोहित जबरदस्त वापसी करैत विशाखापत्तनम मे दोसर टेस्ट 106 रन सँ , राजकोट मे तेसर टेस्ट 434 रन सँ आओर आब राँची मे चारिम टेस्ट पांच विकेट सँ विजय भ’ पांच मैचक सीरीज पर अपन कब्ज़ा कयलनि।बल्लेबाज ध्रुव केँ द्वारा पहिल पारी मे 90 रन बनाओल गेल छल , एहि कारण सँ प्लेयर ऑफ़ द मैच चुनल गेला। एहि सीरीज केँ पाँचम आओर अंतिम मैच 7 मार्च सँ धर्मतल्ला मे प्रारम्भ होएत।

