राँची : रांची लोकसभा सीट सँ I-N-D-I गठबंधन समर्थित कांग्रेस प्रत्याशी यशश्विनी सहाय सोमदिन 6 मई 2024 क’ अपन नामांकन पत्र दाखिल केलनि। यशश्विनी जिला निर्वाचन अधिकारी सह उपायुक्त राहुल कुमार सिन्हा केँ समक्ष अपना नामांकन दाखिल कयलनि । एहि दौरान यशस्विनी सहाय केँ पिता, पूर्व केंद्रीय मंत्री सुबोध कांत सहाय, राज्यसभा सांसद महुआ माजी आदि प्रस्तावक केँ रूप मे नामांकन केँ समय उपस्थित छला। नामांकन सँ पूर्व हजारों I-N-D-I गठबंधन समर्थक संग यशश्विनी सहाय केँ काफिला रांची धुर्वा सँ निकलि मोराबादी मैदान पहुँचल छल। ओहि ठाम जनसभा केँ सम्बोधित कयल गेल पुनः ओहि ठाम सँ DC कार्यालय रांची हेतु प्रस्थान कयल गेल।
रांची लोकसभा सीट सँ कांग्रेस प्रत्याशी यशश्विनी सहाय आई 6 मई क’ नामांकन पत्र दाखिल केलनि।
-

