पटना (बिहार) : राजद केँ तेजस्वी यादव अपन पार्टी केँ घोषणापत्र जारी करैत ओ कहलनि जे हम सब अपन परिवर्तन घोषणापत्र जारी केलहुं अछि जाहि मे हम सब 24 टा वादा अनने छी। हम सब अपन सब वादा पूरा करय लेल प्रतिबद्ध छी ताकि बिहार मे विकास भ’ सकय। एहि वादा मे बिहार केँ विशेष राज्यक दर्जा देब सेहो शामिल अछि।
RJD द्वारा जारी घोषणा पत्र केँ मुख्य बात तेजस्वी यादव केँ द्वारा प्रस्तुत कयल गेल
- देश मे एक करोड़ सरकारी नौकरी
- रक्षाबंधन केँ अवसर पर गरीब महिला सबके ₹100000
- पुरान पेंशन योजना केँ क्रियान्वयन
- देश मे एलपीजी सिलेंडर ₹ 500 मे
- बिहार केँ लेल विशेष राज्यक दर्जा भेटत
- बिहार केँ 1 लाख 60 हजार करोड़ केँ विशेष पैकेज
- बिहार मे 200 यूनिट मुफ्त बिजली
- अग्निवीर योजना समाप्त कैल जायत
- कर्तव्य केँ लाइन मे जान देनिहार सैनिक केँ शहीदक दर्जा देल जायत |
- मंडल आयोग केँ शेष अनुशंसा केँ लागू करल जायत
- केंद्र मे सरकार सत्ता मे अबैत देरी 75% आरक्षण लागू करत ………