लहरि रूम (दिल्ली ) : दिल्ली विधान सभा चुनाव 2025 : दिल्ली विधानसभा के 70 सीट लेल चुनाव तिथि के घोषणा भ’ गेल अछि। 5 फरवरी क’ दिल्ली मे मतदान होएत जखन कि 8 फरवरी क’ मतगणना उपरांत परिणामक घोषणा होएत। निर्वाचन आयोग चुनाव तिथिक घोषणा केलक। एहि चुनाव मे आम आदमी पार्टी लगातार तेसर बेर सत्ता मे वापसी करबाक हेतु खूब जोड़ लगेने अछि। संगहि भाजपा आओर कांग्रेस एहि बेर सत्ता मे वापसी के पूरा कोशिश मे अछि। 2020 मे भेल विधानसभा चुनाव मे आम आदमी पार्टी 62 सीट जीत चुकल छल। जखन कि भाजपा मात्र 8 सीट जीतने छल। दिल्ली सँ कांग्रेस कें लगातार दोसर बेर सफाया भ’ गेल । एहि बेर चुनाव सँ किछु दिन पहिने अरविंद केजरीवाल अपन सीएम पद सँ इस्तीफा द’ देने छलाह। तकर बाद अतिशी मार्लेना राज्यक सीएम बनल छलीह ।
