spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिराज्यसभा मे कोन बात पर तमसेला प्रधानमंत्री नरेंद्रमोदी ?

राज्यसभा मे कोन बात पर तमसेला प्रधानमंत्री नरेंद्रमोदी ?

-

राज्यसभा मे कोन बात पर तमसेला प्रधानमंत्री नरेंद्रमोदी ?
लहरि रूम (नई दिल्ली) : देश केर प्रथम प्रधानमंत्री जवाहरलाल नेहरू लोकतांत्रिक भावना के रक्षक के छवि के संग दुनिया भर मे घूमी रहल छला। मुदा भीतर सँ कतेक पैघ तानाशाह छेलैथ एकटा नहि अनेकों उदाहरण अछि । प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जखन राज्यसभा मे राष्ट्रपति कें संबोधनक धन्यवाद प्रस्ताव पर चर्चा कें जवाब द’ रहल छलाह त’ इएह संदेश छल जे हुनकर भाषणक एकटा हिस्सा सँ निकलल। अपन संबोधन मे ओ कांग्रेस पार्टी आ गांधी परिवार पर बहुत तीव्र हमला केलनि। ओ समस्त देश केँ बुझेबाक प्रयास केलनि जे संविधान-संविधान मंत्र पर वीणा बजा रहल कांग्रेस पार्टी आ खास क’ राहुल गांधी संविधानक प्रति अनादर के नस -नस मे छनि । मोदी जखन इमरजेंसी पर चर्चा केलनि त हुनकर चेहरा तामस सं लाल भ’ गेलनि। ओ कहलनि जे, राजपरिवार (गांधी परिवार) कें अहंकार के कारण एहि देश के आपातकाल के समय जेल में बदलि गेल छल आ निर्वाचित प्रतिनिधि आ प्रख्यात नेता सबके के जंजीर मे बान्हि देल गेल छल ।

कांग्रेसी संविधान निर्माताक भावनाक अनादर केलनि अछि : मोदी
बजट सत्रक प्रारंभ मे राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू द्वारा देल गेल भाषणक बिन्दु पर चर्चा करैत प्रधानमंत्री कहलनि जे, माननीय राष्ट्रपति गणतंत्रक 75 वर्षक अवसर पर अपन भाषण मे संविधान निर्माता लोकनि सँ सेहो अपील कयलनि अछि। पीएम कहलनि जे, संविधान निर्माता के सम्मान हेबाक चाही छल, हुनकर एक-एक शब्द सँ प्रेरणा लेबाक चाही छल। मुदा ई कांग्रेस अछि जे आजादी के तुरंत बाद संविधान निर्माता के भावना के चकनाचूर क’ देने छल आ ई बात हमरा दुखी भ’ क’ कहय पड़त अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts