spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिरामानंद सागर केँ 'राम' (अरुण गोविल -मेरठ ) आओर 1977 केँ ड्रीम...

रामानंद सागर केँ ‘राम’ (अरुण गोविल -मेरठ ) आओर 1977 केँ ड्रीम गर्ल (हेमा मालिनी – मथुरा) केँ राजनीती भाग्यक फैसला आई (26 अप्रैल)

-

नई दिल्ली : आइ राहुल, थरूर, हेमा मालिनी सहित एहि दिग्गज सबहक भाग्य ईवीएम मे कैद भ जायत। लोकसभा चुनाव केँ दोसर चरण केँ लेल शुक्रदिन (26 अप्रैल) मतदान प्रारम्भ भ’ चुकल अछि। एकरा संग -संग आई संध्या काल तक ईवीएम मे 13 राज्य आ केंद्र शासित प्रदेश क’ 88 सीट पर चुनाव लड़निहार कुल 1202 उम्मीदवारक राजनीतिक भविष्य पर मुहर लागि जायत। जाहि 88 सीट पर मतदान भ’ रहल अछि ओहि मे सँ कईटा एहन सीट अछि जतय दिग्गज क’ प्रतिष्ठा दांव पर लागल अछि। एहि मे वायनाड सँ कांग्रेस केँ पूर्व अध्यक्ष राहुल गांधी, 6 टा केंद्रीय मंत्री, 2 टा पूर्व मुख्यमंत्री ,लोकसभा अध्यक्ष आओर पूर्व मंत्री सम्मलित छथि।
राहुल गांधी : कांग्रेस के पूर्व अध्यक्ष राहुल गांधी एक बेर पुनः केरल केँ वायनाड सीट सँ चुनाव लड़ि रहल छथि। राहुल 2019 मे एहि ठाम सँ जीत हासिल केने छलाह। एहि बेर हुनकर मुकाबला भाजपा केँ के. सुरेन्द्रन एवं भाकपा केँ एनी राजा। 2019 मे वायनाड लोकसभा सीट पर 80.37% मतदान भेल छल।

हेमा मालिनी : फिल्म अभिनेत्री हेमा मालिनी उत्तर प्रदेश केँ लोकप्रिय सीट मे सँ एक मथुरा सँ चुनाव लड़ि रहल छथिन्ह. ओ तेसर बेर भाजपा टिकट पर चुनाव लड़लनि अछि। वर्तमान मे हेमा मालिनी सेहो मथुरा लोकसभा सीट केँ प्रतिनिधित्व क’ रहल छथि। एहि बेर कांग्रेस सँ मुकेश धनगर आओर बसपा सँ सुरेश सिंह हुनका सँ मुकाबला क. रहल छथि। ओना पहिने एहि बात पर चर्चा भेल जे कांग्रेस मुक्केबाज विजेंद्र सिंह केँ हेमा मालिनी केँ सामने मैदान मे उतारत मुदा बाद मे ओ भाजपा मे शामिल भ’ गेलाह। 2019 मे हेमा मालिनी भाजपा केँ टिकट पर मथुरा लोकसभा सीट पर जीत हासिल केने छलीह। ओहि चुनाव मे एहि ठाम कुल 61.08% लोक वोट देने छला।

अरुण गोविल : उत्तर प्रदेश के एकटा आओर चर्चित सीट मेरठ अछि, जतयसँ अभिनेता अरुण गोविल अपन किस्मत अजमा रहल छथि। गोविल वैह अभिनेता छथि जे 80 केँ दशक मे दूरदर्शन पर प्रसारित रामायण धारावाहिक मे भगवान राम केँ भूमिका निभैने छला । एहि चुनाव मे अरुण गोविल भगवान राम केँ तस्वीर ल’ क’ प्रचार करैत देखल गेलाह। रामायण मे माँ सीता केँ भूमिका निभाबय वाली दीपिका चिखलिया आ लक्ष्मण केँ भूमिका निभाबय वाला सुनील लाहिरी सेहो हुनकर चुनावी अभियान मे सम्मलित भेला अछि। एहि चुनाव मे सपा सँ सुनीता वर्मा आओर बसपा सँ देवव्रत त्यागी अरुण गोविल सँ लड़ि रहल छथि।

2019 मे मेरठ ओहि सीट मे शामिल छल जतय भाजपा जीतल छल मुदा अंतर बहुत कम छल। ओहि चुनाव मे पार्टी केँ उम्मीदवार राजेन्द्र अग्रवाल महज 4729 वोट सँ चुनाव जीतलखिन्ह छल । एहि बेर भाजपा अग्रवाल क’ टिकट रद्द क’ देलक। पिछला चुनाव मे मेरठ सीट पर 64.29% लोक अपन मताधिकार केँ प्रयोग केने छलाह।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts