गुवाहाटी/ कांग्रेसक वरिष्ठ नेता पूर्व अध्यक्ष राहुल गाँधी आइ असम पहुँचलाह आ मणिपुर जयबाक क्रममे बाढ़ि पीड़ितसभसँ भेंट कयलनि। बता दी कि २९ जिलाक २२ लाखसँ बेसी लोक बाढ़िसँ प्रभावित भेल अछि। असममे बाढ़िक कारण एखन धरि ७८ लोकक मृत्यु भऽ चुकल अछि।
राहुल गाँधी मणिपुर जयबाक क्रममे भोरमे असमक कछार जिलाक सिलचरक कुम्भीग्राम हवाई अड्डा पहुँचताह। ओतयसँ ओ लखीपुरक बाढ़ि राहत शिविरमे गेलाह आ कैदीसभसँ भेंट कयलनि। एहि यात्राक क्रममे राहुलक मणिपुरक जिरिबाम जिलाक दौरा करबाक सेहो कार्यक्रम अछि।