नई दिल्ली :रूसक राजधानी मॉस्को मे शुक्र दिन संध्या काल एकटा आतंकी संगठन आतंकी संगठन आईएस (इस्लामिक स्टेट)- खोरासान केँ द्वारा सामुदायिक भवन केँ सभागार (कॉन्सर्ट हॉल) मे हमला कयल गेल अछि। जाहि 62 गोटे केँ मृत्यु आओर 145 गोटे घायल भेल छथि। मीडिया सूत्रक जानकारी अछि जें अमेरिका केँ वाइट हाउसक प्रवक्ता कहलनि अछि एहि घटना केँ दायित्व आतंकी संगठन आईएस (इस्लामिक स्टेट)- खोरासान लेलनि अछि।
एहि घटना पर भारत केँ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी घटनाक निंदा कयलनि अछि आओर कहलनि जें दुखक एहि समय भारत रूस केँ संग ठाड़ अछि।
