झारखण्ड केँ चतरा जिला केँ उपेंद्र नाथ इंटर कॉलेज मे परीक्षा देबाक पहुँचल अभ्यर्थी सभक आरोप अछि जे 11वीं JPSC परीक्षा केँ प्रश्न पत्र लीक भ’ गेल अछि। अभ्यर्थी सभक आरोप छनि जें प्रश्न पत्र केँ सील परीक्षा कक्ष मे 2 अभ्यर्थी केँ समक्ष खोलल जाइत अछि लेकिन एहि तरहक कोनो प्रक्रिया नहि भेल। प्रश्न पत्र पहिले सँ खुलल छल। अभ्यर्थी सभके द्वारा खूब हंगामा कयल गेल।
नियम केँ भेल अछि पालन : प्रिंसिपल
जखन प्रिंसिपल धनेश्वर राम सँ पूछल गेलनि तखन अपन वक्तव्य मे कहलनि जे कण्ट्रोल रूप परीक्षा केँ दौरान नियम केँ पूर्ण पालन कयल गेल अछि। सम्पूर्ण वीडियो रिकॉर्डिंग कराओल गेल अछि। मामला पर नियंत्रण करबाक लेल पुलिस दल बल आओर दण्डाधिकारी घटना स्थल पर पहुंच गेला।
