पटना : जदयू नेता सौरभ कुमार बुधदिन देर राति बधैयां कोल गाम मे अपन मित्र अजीत कुमार केँ भाई केँ रिसेप्शन पार्टी मे गेल छलाह। बताओल जा रहल अछि जे राति मे करीब 12 बजे ओ अपन मित्र मुनमुन कुमार क’ संग रिसेप्शन पार्टी सँ वापस शिवनगर मे अपन घर वापस आबि रहल छलाह। सौरभ कुमार अपन गाड़ी मे बैसल छलाह कि अपराधी मोटरसाइकिल पर आबि क’ ताबरतोड़ गोली सँ छलनि क’ देलकनि । सौरभ कुमार केँ माथ मे गोली आ हुनकर दोस्त मुनमुन कुमार केँ पेट आ हाथ मे गोली लागल छल। गोली लगैत देरी ओ सभ ओतहि खसि पड़ल। एम्हर अपराधी ओतय सँ भागि गेल। फायरिंग केँ जानकारी मिलैत देरी पास केँ लोक मौका पर पहुंच गेला । लोक दुनू गोटे केँ इलाज क’ लेल अस्पताल मे भर्ती करा देलनि , जतय डॉक्टर सौरभ कुमार केँ मृत घोषित क’ देलनि , जखन कि घायल मुनमुन कुमार केँ पटना क’ कंकड़बाग केँ एकटा निजी नर्सिंग होम मे भर्ती कराओल गेल अछि। हुनकर हालत गंभीर बनल छनि ।
Trending Now
