रांची (झारखण्ड) : लोकसभा चुनाव 2024 मे भाजपा हाईकमान आदिवासी चेहरा केँ रूप मे बाबूलाल मरांडी केँ बड़का जिम्मेदारी सौंपने छल। मुदा बाबूलाल मरांडी झारखंड मे आदिवासी लेल आरक्षित पांच सीट मे सँ एकटा सीट तक भाजपा केँ जीता नहि सकलाह। 2019 केँ विधानसभा चुनाव मे सेहो भाजपा आदिवासी केँ लेल 28 मे सँ मात्र दू सीट जीतने छल। हालांकि भाजपा नेतृत्व क’ उम्मीद छल जे रघुवर दासक जगह बाबूलाल मरांडी केँ फ्री हैंड केला सँ आदिवासी लेल आरक्षित सीट पर पार्टी केँ सफलता भेटत।
लोकसभा चुनाव परिणाम 2024 केँ बाद झारखंड भाजपा केँ प्रदेश अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी केँ नेतृत्व पर बहुत रास प्रश्न उठल आओर पार्टी केँ अंदर चर्चाक विषय रहल । दुमका लोकसभा सीट सँ भाजपा उम्मीदवार सीता सोरेन अपन पराजय केँ बाद पार्टीक कईटा वरिष्ठ नेता पर विश्वासघात क’ आरोप लगौलनि । सीता सोरेन केँ कहनाय छनि जे राज्य अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी केँ सेहो एहि सभ बात केँ जानकारी छलनि , मुदा हुनकर तरफ सँ किछु उचित निर्णय नहि लेल गेल आ ने कोनो समर्थनात्मक कार्य कयल गेल। तहिना गोड्डा लोकसभा क्षेत्र सँ भाजपा प्रत्याशी निशिकांत दुबे विजयी भेला , मुदा चुनाव परिणाम केँ बाद समीक्षा बैसार मे भाजपा विधायक नारायण दास आ सांसद केँ समर्थक एक दोसर सँ झड़प भ’ गेलनि । लोहरदगा, सिंहभूम, खूंटी आ अन्य लोकसभा क्षेत्र मे सेहो भाजपा नेता सब सेहो बाबूलाल मरांडी पर बहुत रास प्रश्न उपस्थित कयने छला।
जखन एहि तरहक मतभेद आ अंतरकलह भारतीय जनता पार्टी – झारखण्ड प्रदेश केँ व्याप्त अछि आओर आगामी विधानसभा हेतु समय मात्र 4 सँ 5 महीना बाचल अछि , त’ भारतीय जनता पार्टी केँ शिर्षथ नेतृत्व कोन आधार केँ देखैत विधानसभा – 2024 केँ कमान बाबूलाल मरांडी केँ हाथ सुपुर्द कयलक अछि , से विचारणीय अछि।