नई दिल्ली : आधुनिकताक दौरमे आइ जतय परिवार आ समाज अपन मूल संस्कार कें हेरौने जा रहल अछि। ओतहि राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली केर मोहन गार्डनमे स्थित देव संगीत विद्यालय नेना भुटका कें पुरातन गुरुकुल परंपराक अनुसरण करैत बच्चा सभमे नुकायल गुण कें तराशि कऽ ओकरा हीरा बनेबा दिस अग्रसर अछि। मिथिला क्षेत्रमे सदति सँ ज्ञान, संस्कार आ संस्कृति केर संग-संग संगीत साधना केर अपन गौरवशाली परंपरा रहल अछि। आइ जतय मिथिलावासी अपन प्रतिभाक परचम विश्व केर सभ कोनमे फहरा रहल छथि। ओतहि मिथिलाक सहरसा जिलांतर्गत बसनही गामक निवासी पं राणा झा, 70 केर दशक सँ लगातार एहि महानगरीय परिवेशमे पलि-बढ़ि रहल नेना भुटकामे अंतर्निहित शास्त्रीय संगीतक हुनर कें निखारबाक संगहि हुनका लोकनिक चारित्रिक विकास करबाक अभूतपूर्व कार्य कऽ रहल छथि। विगत करीब 48 सालमे हिनक विद्यालयक प्रतिभावान बच्चा जतय विभिन्न क्षेत्रमे सफलताक झंडा लहरौलक अछि। ओतहि शास्त्रीय संगीतक क्षेत्रमे हिनक उत्कृष्ट कार्य लेल हिनका सुरमणि सम्मान, कला श्री सम्मान, संगीत वारिधि सम्मान, श्रेष्ठ गुरु सम्मान, सारंग देव सम्मान, पं सीताराम हरि धनकर सम्मान सहित अनेक विशिष्ट सम्मान सँ सम्मानित कयल जा चुकल अछि। वर्तमानमे ई अपन शिष्या आ अनुज पुत्री पुष्पा झा केर संग राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीमे छोट-छोट बच्चा केर हुनर कें तराशि ओकर भविष्य निखारबाक काज कऽ रहल छथि।
बीतल रविदिन आयोजित विद्यालयक वार्षिकोत्सवमे नन्हा-मुन्ना उस्तादक सधल गायिकी वार्षिकोत्सवमे उपस्थित श्रोता कें मंत्रमुग्ध कऽ देलक। मिथिलाक बेटी आ प्रसिद्ध गायिका सोनी चौधरी केर संचालनमे आयोजित वार्षिकोत्सवमे कार्यक्रमक विधिवत शुरूआत वरिष्ठ समाजसेवी आ संस्कृति अनुरागी वंशीधर मिश्र केर कर-कमल सँ दीप प्रज्ज्वलन केर बीच बच्चा सभ द्वारा प्रस्तुत सरस्वती वंदनाक सुमधुर प्रस्तुति संग भेल। कार्यक्रममे नेना भुटका सभ द्वारा प्रस्तुत आलाप, बंदिश आ तान सुनि सहजहिं ई आभास भऽ रहल छल जे आधुनिकता केर वर्तमान दौरमे सेहो नौनिहालक हाथ भारतक शास्त्रीय आ सांस्कृतिक भविष्य सुरक्षित अछि। प्रतिभागी बच्चा सभमे शामिल कृष्णा चौधरी, सगुण, आदित्य झा, षष्ठी, लीजा, वंशिका, प्रीति, अदिति, मनबल, पार्थ, लक्की, काव्य, अंजू, एंजल, खुशबू, हन्नू, क्षितिज आदि
राग यमन, विहग, मालकौंस, धनाश्री, जौनपुरी, खमाज, भूपाली, मेघ, भीमपलाशी, भैरवी, आशावरी, शंकरा, बिलावल आदिमे एक सँ बढ़िकऽ एक मनोहारी प्रस्तुति दऽ श्रोता लोकनिक मन जीतबामे सफलता हासिल कयलनि।
Trending Now

वार्षिकोत्सवमे गूंजल बाल उस्तादक गायिकी : पं राणा झा जीक प्रयासवार्षिकोत्सवमे गूंजल बाल उस्तादक गायिकी : पं राणा झा जीक प्रयास
-