राँची : मैथिली साहित्य जगत मे रांची केँ मैथिल लोकनिक संस्था झारखण्ड मैथिली मंच, रांची द्वारा प्रत्येक वर्ष विद्यापति स्मृति पर्व समारोह आयोजन सँ पूर्व विदेह साहित्यिक सम्मान देबाक केँ घोषणा कयल जायत अछि। एहि वर्ष 2024 केँ नवम्बर मास मे त्रीदिवसीय स्मृति पर्वक आयोजन मंच केँ द्वारा कयल जा रहल अछि। एहि कार्यक्रम केँ मंच सँ विदेह साहित्यिक सम्मान प्रदान कयल जायत। एहि वर्ष ई सम्मान केँ प्रयोजक राज कुमार मिश्र छथि जे अपन भार्या स्व. रूपा मिश्र केँ सम्मान मे प्रदान क’ रहला अछि ।एहि कारण सँ सम्मानक नाम “रूपा देवी विदेह साहित्यिक सम्मान” रहत। झारखण्ड मैथिली मंच द्वारा 15, 16 आओर 17 नवम्बर क’ विद्यापति स्मृति पर्व समारोह केँ आयोजन होयत।
“रूपा देवी विदेह साहित्यिक सम्मान” हेतु चयन समिति केँ संयोजक मोहन झा ‘पडोसी’ , ब्रज कुमार आओर राज कुमार मिश्र जी छला। विगत कई मास सँ चयन प्रक्रिया चलैत छल। सम्पूर्ण भारत केँ अनेकों मैथिल साहित्यकार एहि मे अपन सहभागिता प्रस्तुत कयलनि आओर बहुतो केँ नामक अनुशंसा चयन समिति केँ समक्ष आयल। अंततः समिति द्वारा साहित्यकार श्री अशोक केँ नामक घोषणा कयल गेल। श्री अशोक पटना केँ रहय वला छथि। हिनक पोथी ‘कथा पाठ’ सिद्धिरस्तु प्रकाशन – दिल्ली सँ 2022 मे छल जाहि केँ चयन “रूपा देवी विदेह साहित्यिक सम्मान” हेतु भेल। मुलतः ई पोथी आलोचनात्मक कथा काव्य संग्रह अछि। झारखण्ड मैथिली मंच, रांची द्वारा आयोजित 15,16 आ 17 नवम्बर 2024 क’ आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व समारोह केँ आयोजन मे साहित्यकार श्री अशोक केँ “रूपा देवी विदेह साहित्यिक सम्मान” मुख्य अथिति एवं विशिष्ट अथिति लोकनिक उपस्थिति मे प्रदान कयल जायत। एहि सम्मान मे श्री अशोक केँ पाग, दोपटा , प्रसस्ति पत्र संग नकद राशि 35000/- (पैतीस हजार टका ) प्रदान कयल जायत।