भाई- बहिन केँ अगाध प्रेमक प्रतिक अछि लोक पर्व ‘समा- चकेबा’
लहरि रूम( रांची) : काइल दिनांक 15 नवंबर 2024 कार्तिक पूर्णिमा केँ दिन झारखण्ड केँ राजधानी रांची मे सामा- चकेबा पर्व केँ आयोजन कयल गेल अछि। झारखण्ड मैथिली मंच, रांची केँ तत्वावधान मे बहिना समूह केँ द्वारा विद्यापति दलान, हरमू मे आयोजित होयत। कार्यक्रम संध्या 6:30 बजे सं प्रारम्भ होयत। एहि वर्ष केँ सामा- चकेबा पर्व केँ आयोजन मे बेसी सँ बेसी डाला विद्यापति दलान पर पहुँचय ताहि लेल बहिना समूह द्वारा डाला बना क’ सामा खेलनिहार केँ हकार द’ क’ आमंत्रित कयल जा रहल अछि। स्थानीय कलाकार द्वारा गीत संगीत केँ कार्यक्रम केँ आयोजन अछि। पारम्परिक रूप सँ सजल डाला केँ प्रदर्शनी सेहो लगाओल जायत। प्रथम, द्वितीय आओर तृतीय चयनित डाला केँ पुरस्कर द’ सम्मानित कयल जायत। आमंत्रित सब डाला केँ सेहो उपहार प्रदान कयल जायत। आयोजन उपरान्त मंच द्वारा बनाओल गेल जोतल खेत मे विधिवत विसर्जन कैल जायत।
