spot_img
Saturday, August 23, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिविद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा स्व.अटल बिहारी वाजपेयी जीक छठम पुण्यतिथि पर आयोजित...

विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा स्व.अटल बिहारी वाजपेयी जीक छठम पुण्यतिथि पर आयोजित श्रद्धांजलि सभा

-

दरभंगा : पूर्व प्रधानमंत्री भारत रत्न अटल बिहारी वाजपेयी जीक छठम पुण्य तिथि केर अवसर पर विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधानमे शुक्रदिन एमएलएसएम कॉलेजक सभागारमे श्रद्धांजलि सभाक आयोजन कयल गेल। एहि अवसर पर अटल बिहारी वाजपेयी जीक चित्र पर माल्यार्पण ओ दीप प्रज्ज्वलित कऽ हुनका भाव भरल श्रद्धांजलि अर्पित कयल गेल।

श्रद्धांजलि सभामे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी केर कृतित्व एवं व्यक्तित्वक विस्तार सँ चर्चा करैत हुनका मानवीय चेतना संपन्न व्यक्तित्वक काव्य जगत केर दिस सँ राजनीति कें देल गेल अनमोल उपहार बतोलनि। कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो लक्ष्मी निवास पांडेय अपन संबोधनमे विकसित भारत केर निर्माणमे वाजपेयीजी केर योगदान कें रेखांकित करैत बदलल हालात मे ‘मिथिला की हेरेलक आ की पौलक’ विषय पर विचार-विमर्श करबाक जरूरत पर बल देलनि।

संस्थानक अध्यक्ष सह कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक पूर्व कुलपति डा शशिनाथ झा केर अध्यक्षतामे आयोजित श्रद्धांजलि सभामे दरभंगाक सांसद डा गोपालजी ठाकुर कहलनि जे मिथिला आ मैथिली केर प्रति पूर्व प्रधानमंत्री भारत रत्न अटल बिहारी वाजपेयी कें विशेष लगाव छल। खंडित मिथिला कें एक सूत्रमे बन्हबा लेल कोसी नदी पर महासेतु केर निर्माण आ मैथिली कें संविधानक आठम अनुसूचीमे शामिल करेबामें स्व वाजपेयी केर देल योगदान सँ ई स्वत: साबित होइत अछि। अपन संबोधनमे ओ स्व वाजपेयी केर सपनाक मिथिला बनेबा लेल मैथिली सेवी सभ संगठन द्वारा संगठित भऽ मिथिला-मैथिली केर विकासक मांग कें सही प्लेटफार्म पर राखल जयबा कें समयक जरूरत बतोलनि। ओतहि राज्यसभा सांसद डा धर्मशीला गुप्ता वाजपेयी जी केर सद्प्रयास सँ संविधानक आठम अनुसूचीमे शामिल जनक-जानकी केर भाषा मैथिली केर अधिकारक चिंतन करैत एकरा लेल एकजुट भऽ प्रयास करबाक आह्वान कयलनि। ओ कहलनि जे मैथिली कें संविधान प्रदत्त अधिकार भेटब वाजपेयी जी केर प्रति सुच्चा श्रद्धांजलि होयत आ एहि लेल हर संभव प्रयास करबा लेल ओ सदति तैयार छथि।

अध्यक्षीय संबोधनमे डा शशिनाथ झा झा मातृभाषा मैथिली केर प्रति मिथिलाक लोकमे कम भऽ रहल भावनात्मक आकर्षण केर प्रति चिंता जाहिर कयलनि। ओ कहलनि जे अदौं सँ प्रतिभाक धनिक एहि क्षेत्रक लोक कें पढ़ाई, दवाई आ कमाई लेल आइयो पलायन करय पड़ि रहल अछि, ई गंभीर चिंतन केर विषय अछि। सभामे एमएलएसएम कॉलेजक प्रधानाचार्य डा शंभु कुमार यादव, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक पूर्व कुलसचिव प्रो अजीत कुमार सिंह, अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक अध्यक्ष डा महेंद्र नारायण राम, प्रो अजीत कुमार चौधरी, प्रो उदय शंकर मिश्र आदि सेहो अपन विचार रखलनि। एहि सँ पूर्व रूसा फंड सँ महाविद्यालय परिसरमे निर्मित भवनक कुलपति फीता काटि उद्घाटन सेहो कयलनि। धन्यवाद ज्ञापन एमएलएसएम कॉलेजक पूर्व प्रधानाचार्य डा विद्यानाथ झा कयलनि।

एहि अवसर पर डा. उदय कांत मिश्र, डा रमेश झा, विनोद कुमार झा, प्रो चंद्रशेखर झा बूढ़ा भाई, हरि किशोर चौधरी, चन्द्र मोहन झा, चौधरी फूल कुमार राय, उज्ज्वल कुमार झा, आशीष चौधरी, पुरुषोत्तम वत्स आदि केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहनि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts