रांची : 7 मई 2024 रात्रि 8 बजे विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ अध्यक्ष लेखानन्द झा केँ हृदय गति रुकबा केँ कारण स्वर्गवास रांची मे भ’ गेलनि छल। मूलतः लेखा बाबू मधुबनी जिला केँ भखरईन ग्राम केँ छला। एहि केँ देखैत हुनक दाहसंस्कार हुनक पैतृक ग्राम मे 9 मई 2024 क’ भेलनि। दाहसंस्कार उपरांत विद्यापति स्मारक समिति, रांची केँ सदस्य लोकनिक द्वारा स्वर्गीय लेखा बाबू आत्मा केँ शांति हेतु श्रद्धाजंलि सभा आयोजित कयल गेल। एहि श्रद्धांजलि सभा मे सदस्य लोकनि द्वारा सर्वप्रथम स्वर्गीय अध्यक्ष लेखा बाबू केँ चित्र पर पुष्पांजलि अर्पित कयल गेल तदोपरांत मौन धारण कयल गेल। मुख्य रूप सँ डॉ बी आर झा,श्रेस्ठ ना झा,ज्ञान देव झा,अम्रेन्द्र मोहन झा,बी के झा,श्री राम मिश्र,दिलीप झा,रवि कान्त झा,कृतेश झा,संजीव ठाकुर,शिवराम मिश्र,संतोष झा,पवन झा,सतीश झा,निर्भय कान्त झा,गौरी शरण झा,अशोक,जयंत झा,रंजीत लाल दास संग अनेकों सदस्य लोकनि उपस्थित छला।

