लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड केँ राजधानी रांची मे अंग्रेजी नव वर्ष 2026 आबय सँ पूर्व विद्यापति स्मारक समिति केँ तत्वावधान मे कचहरी स्थित होटल के सभागार मे वार्षिक पंचांग सह कैलेण्डर केँ लोकार्पण कयल गेल। कार्यक्रम के शुभारम्भ विद्यापति रचित गोसोऊनी गीत जय जय भैरवी असुर भयावनी सँ कयल गेल। मंगलमय दिन आजु पाहून छथि आयल……. के स्वागत गीतक उपरांत मुख्य अतिथि प्रसिद्ध हड्डी रोग विषेशज्ञ डॉ. आर. सी. मिश्र , विशिष्ट अथिति भारतीय पुलिस सेवा के डी आई जी सुरेंद्र कुमार झा आ प्रसिद्ध हड्डी रोग विषेशज्ञ डॉ आर. सी. एवं अन्य गणमान्य लोकनिक द्वारा कविकोकिल विद्यापति के चित्र पर माल्यार्पण संग पुष्पांजलि अर्पित कयल गेल। गणमाण्य लोकनिक कर कमल सँ वार्षिक पंचांग सह कलेण्डर केँ लोकार्पण। विशिष्ट अथिति सुरेंद्र कुमार झा मिथिला के महात्मय पर अपन दृश्टिकोण सँ उपस्थित लोकनि के अवगत करौलनि। विनोदानंद झा ‘बुबु’ जी ,जयंत कुमार झा, नवीन कुमार झा संग अनेको लोकनि के समाज मे उत्कृष्ट योगदान हेतु सम्मानित कयल गेल। संस्था के अध्यक्ष बच्चा राम झा विद्यापति स्मारक समिति केँ सेवा के भावना सँ सब लोकनि के अवगत करौलनि।


