spot_img
Saturday, March 21, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिविद्वांशु शेखर झा "आईएएस" आ डॉ. राजेश कुमार झा के सम्मानित केलक...

विद्वांशु शेखर झा “आईएएस” आ डॉ. राजेश कुमार झा के सम्मानित केलक मैथिली मंच

-

लहरि रूम (रांची ) : दिनांक 17 अगस्त रवि दिन झारखंड मैथिली मंच,रांची,के वरिष्ठ सदस्य रांची,बरियातु आ मूलत: भवानीपुर, सिंघवार, दरभंगा के निवासी सुशील कुमार झा के पुत्र विद्वांशु शेखर झा के के अंततः संघ लोक सेवा आयोग (यूपीएससी) के परीक्षा मे 59म रैंक के संग चयन भेलनि अछि | हुनक सफलता सँ समस्त मैथिली भाषी समाज गदगद अछि । झारखंड मैथिली मंच के विद्यापति दलान हरमू मे श्री शेखर के मिथिला परंपरा के अनुसार पाग, दोपटा आ स्मृति चिन्ह सँ सम्मानित क’ सब सदस्य हुनका आशीर्वाद आ शुभकामना देलखिन। श्री दिव्यांशु रांची मे डीएवी, नंदराज आ बरियातु सँ 12वीं के पठन-पाठन कयने छथि । एकर बाद वीआईटी वेल्लोर सँ इंजीनियरिंग के डिग्री लेला के बाद यूपीएससी के तैयारी करैत लगातार साल मे यूनियन टेरिटरी मे प्रथम वर्ष मे एसडीएम मे सफल भेला । अगिला साल फेर आईएफएस मे सफल भेलाह (5म रैंक के संग)। आओर तेसर साल मे अंततः श्री विद्वाशु के चयन आईएएस मे 59म रैंक के संग भ’ गेलनि ।

हुनका संग झारखंड मैथिली मंच द्वारा मंच परिवार के सुपुत्र बेनीपुर दरभंगा के मूल निवासी राज अस्पताल रांची के हृदय रोग विशेषज्ञ डॉ. राजेश कुमार झा के सेहो मिथिला परंपरा के अनुसार पाग, दुपट्टा आ स्मृति चिन्ह द’ क’ सम्मानित क’ आ आशीर्वाद आ शुभकामना देल गेल।

एहि अवसर पर विद्यांशु के माता-पिता आ मैथिली मंच के संरक्षक अरुण कुमार झा, अध्यक्ष बिनय कुमार झा, कोषाध्यक्ष संतोष कुमार मिश्र, बद्री नाथ झा, बाबू लाल झा, प्रेम चंद्र झा, प्रकाश चंद्र झा, ब्रज किशोर झा, कौशल किशोर झा, संतोष कुमार झा, ब्रज कुमार झा, आशुतोष मिश्र, सतीश कुमार मिश्र, दया शंकर चौधरी, सुकुमार नाथ झा, नरेश झा, नारायण तिवारी के संग अनेको लोग उपस्थित छला।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts