नई दिल्ली : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी मंगलवार क’ राष्ट्रपति केँ अभिभाषण पर आनल गेल धन्यवाद प्रस्ताव केँ संबंध मे लोकसभा केँ संबोधित केलनि । पीएम मोदी कहलनि जे, राष्ट्रपति केँ भाषण के प्रति आभार व्यक्त करय लेल सदन मे उपस्थित भेलाह ……
सदन मे बाल बुद्धि केँ परिचय
पीएम मोदी कहलनि जे, बच्चाक बुद्धि मे ने बाजबाक गुंजाइश होइत छैक आ ने व्यवहारक गुंजाइश, जखन बच्चाक बुद्धि बेसी परिपक्व भ’ जाइत छैक तखन सदन मे बैसल आँखि मारैत रहैत छैक। आइ पूरा देश हुनका सब केँ कहि रहल अछि जे अहाँ सब नहि होयत , अहाँ सब सँ नहि होयत ।
हिनक (कांग्रेस पार्टी ) लोकनिक कर्म केँ बाल बुद्धिक रूप मे नजरअंदाज नहि करबाक चाही।
पीएम मोदी कहलनि जे काल्हि (सोम दिन ) जे संसद भवन मे भेल अछि ओहि कृत्य गंभीरता सँ लेबाक चाहि , नहि त’ संसदीय लोकतंत्र केँ रक्षा नहि होयत । एहि सभ क्रिया सभकेँ बाल बुद्धिक रूपमे कहियो नजरअंदाज नहि करबाक चाही । एकर पाछूक मानसिकता ठीक नहि अछि , मंशा गंभीर अछि । हमहूँ देशवासीकेँ जगाबय चाहैत छी। एहि लोकक झूठ हमरा देशक नागरिकक अंतरात्मा आओर देशक पैघ परंपरा परथापड़ जका अछि । एहि सदन केँ गरिमा बचाबय केँ बहुत पैघ जिम्मेदारी अहां पर अछि। देशवासी आ सदन केँ ई अपेक्षा अछि जे सदन मे प्रारम्भ भेल झूठक परंपरा केँ विरुद्ध अहां सब कड़ा कार्रवाई करब।
कांग्रेस पार्टी जल्दिये परजीवी कांग्रेस केँ नाम सँ जानल जाएत
पीएम मोदी कहलनि जे, हमरा नहि बुझल अछि जे कांग्रेस केँ सहयोगी एहि चुनाव केँ विश्लेषण केलक अछि कि नहि। ई चुनाव एहि मित्र लोकनिक लेल सेहो विश्लेषणक विषय अछि । 2024 सँ कांग्रेस पार्टी परजीवी कांग्रेस केँ नाम सँ जानल जाएत। परजीवी ओ होइत अछि जे ओहि शरीर केँ खा जाइत अछि जकर संग ओ अछि । कांग्रेस जाहि पार्टी सँ गठबंधन करैत अछि ओकर वोट सेहो खाइत अछि आओर अपन सहयोगी केँ वोट बैंक पर पनपैत अछि। तेँ कांग्रेस परजीवी पार्टी अछि। जखन हम परजीवी कहि रहल छी त’ तथ्यक आधार पर कहि रहल छी।