रांची : आइ विश्वम्भर फाउंडेशन, रांची कें तत्वावधान मे फाउंडेशन के प्रतिनिधिमंडल हटिया विधानसभा क्षेत्र के विधायक नवीन जायसवाल जी सँ भेंट कयलक । झारखंड विधानसभा के विपक्ष के मुख्य सचेतक के रूप मे नियुक्ति भेला पर हुनका फाउण्डेशन के प्रतिनिधी मंडल द्वारा सम्मानित कयल गेल। विधायक नवीन जायसवाल जी के फाउंडेशन सचिव नवीन झा जी के द्वारा ,मिथिला के संस्कृति सम्मान दोपटा ओढ़ाओल गेल , सदस्य अमरनाथ झा के द्वारा पाग पहिराओल गेल आ संगहि संजय मिश्रा, राजेश झा आ अवध किशोर जी केद्वारा पुष्प गुच्छ द’ क’ सम्मानित कयल गेल। हटिया के विधायक नवीन जायसवाल फाउंडेशन के सदस्य के हृदय सँ धन्यवाद दैत मिथिला समाज के लेल सदिखन समर्पण के संग काज करबाक आश्वासन देलनि । आजुक प्रतिनिधिमंडल मे फाउंडेशन सचिव नवीन कुमार झा, सदस्य अमरनाथ झा, राजेश झा, संजय मिश्र, अवध किशोर, राजेश ठाकुर के संग किशोर झा सम्मलित छलाह।

