
लहरि रूम (रांची) : 2 अप्रैल कS रसायन विज्ञान कें वरिष्ठ शिक्षक विभूति नाथ झा कें रांची जिला के मेकॉन कालोनी मे स्थित प्रतिष्ठित स्कूल जवाहर विद्या मंदिर (जेवीएम), श्यामाली क’ प्राचार्यक पद पर पदोन्नत कैल गेल। एहि क्रम मे विश्वम्भर फाउंडेशन के प्रतिनिधिमंडल द्वारा 3 अप्रैल क’ हुनक आवास पर जा क’ हुनका सम्मानित कयल गेल। फाउंडेशन के सचिव नवीन कुमार झा द्वारा सब सँ प्रथम हुनका मिथिला संस्कृति सम्मान पाग पहिराओल गेल । सदस्य बिनोदा नंद झा हुनका दुपट्टा भेंट केलनि, आ किशोर झा ‘मालवीय’ हुनका गुलदस्ता द’ सम्मानित केलनि । विभूति नाथ झा मूलतः मिथिलाक छथि । हुनक एहि उपलब्धि सँ रांची जिला मे रहनिहार मैथिल आ समस्त मिथिलावासी गौरवान्वित भेला अछि ।

