लहरि रूम : लोकसभा 2024 केँ संपन्न भेला उपरांत रांची सँ सांसद संजय सेठ विजयी भ’ प्रधानमंत्री मोदी जीक 3.0 मे मंत्रिमंडल मे रक्षा राज्य मंत्री बनला। पद भार ग्रहण कयलाक बाद चारि दिनक लेल अखन रांची दौरा पर छथि। विजयश्री एवं मंत्री पद ग्रहण करलाक बाद विश्वम्भर फाउण्डेशन, रांची केँ महिला समिति केँ प्रतिनिधि मंडल श्री सेठ शुभकामना एवं देबाक हेतु भेंट कयलक। एहि प्रतिनिधि मंडल केँ प्रतिनिधित्व श्री कुमद झा एवं अभिलाषा चौधरी कयलनि। फाउण्डेशन केँ तरफ सँ श्रीराम सीता स्वयंवर केँ दृश्य मिथिला पेंटिंग मे चित्र श्री सेठ केँ प्रदान कयल गेल। एहि स्वयंवरक दृश्य अभिलाषा चौधरी केँ द्वारा निर्मित अछि।
विश्वम्भर फाउण्डेशन, रांची केँ महिला समिति केँ द्वारा रक्षा राज्य मंत्री संजय सेठ केँ कयल गेल अभिननंदन
-

