spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिशहीद अर्जुन महतो केँ आश्रित परिवार केँ झारखण्ड सरकार द्वारा भेटल यथोचित...

शहीद अर्जुन महतो केँ आश्रित परिवार केँ झारखण्ड सरकार द्वारा भेटल यथोचित सम्मान !

-

लहरि रूम (रांची) : झारखण्ड केँ बोकारो जिला केँ चंदनकियारी क्षेत्र केँ अग्निवीर अर्जुन महतो केँ किछु दिन पहिने देश केँ सेवा करैत शहीद भेल छला। आई झारखण्ड सरकार मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन शपथ ग्रहण क’ सीधा प्रथम कैबिनेट केँ बैठक क’ अग्निवीर अर्जुन महतो जी केँ आश्रित हुनक भाई बलराम महतो केँ सरकारी नौकरी आ अनुग्रह अनुदान केँ 10 लाख रुपया केँ राशि प्रदान कयलनि। एहि समय मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन कहलनि जे राज्य सरकार दिवंगत अग्निवीर अर्जुन महतो जी पीड़ित परिवार केँ संग ठाड़ अछि आओर केंद्र सरकार सँ विनम्र निवेदन अछि जे देश सेवा मे लागल अग्निवीर सबके पूर्ण सैनिक केँ दर्जा प्रदान कयल जाय जाहि सँ वीरगति प्राप्त करय वला जवान सबके बिच भेद भाव समाप्त भ’ सकय।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts