रांची : मंगल दिन 18 जून क’ झारखंड केँ सैनीक स्कूल तिलैया मे सर्वश्रेष्ठ गर्ल कैडेट आरती कुमारी केँ मेजर आशुतोष ट्रॉफी आ 21000 टकाक नकद छात्रवृत्ति सँ सम्मानित कैल गेल। ई पुरस्कार एहि वर्ष सँ प्रारम्भ भेल अछि जे प्रत्येक वर्ष केवल एकटा सर्वश्रेष्ठ बालिका केँ देल जाएत। ई पुरस्कार मिथिला के सपूत शहीद मेजर आशुतोष ठाकुर केँ पुण्यस्मृति मे प्रारम्भ कयल गेल अछि | ई पुरस्कार दै केँ योजना केँ शुभारम्भ सैनीक स्कूल तिलैया केँ शहीद मेजर ठाकुर केँ सहपाठी आओर सेना केँ कार्यक्षेत्र मे हुनक सहयोगी मित्र सभक केँ माध्यम सँ सैनिक स्कूल तिलैया द्वारा प्रदान कयल जायत। जे एहि वर्ष सँ प्रारम्भ भ’ गेल अछि। एहि बेरक पुरस्कार शहीद मेजर आशुतोष ठाकुरक बहिन श्रीमती अंजू झा आ हुनक पति विवेकानंद झा मुन्नू जीक कर कमल सँ प्रदान कैल गेलनि । एकर अलावा शहीद मेजर आशुतोष केँ स्मृति मे सैनिक स्कूल तिलैया द्वारा ‘मेजर आशुतोष एसएम स्पोर्ट्स कॉम्प्लेक्स’ केँ उद्घाटन सेहो कयल गेल ।
के छला शहीद मेजर आशुतोष ठाकुर ?
शहीद मेजर आशुतोष ठाकुर बिहार केँ मिथिला क्षेत्र केँ दरभंगा जिलाक शशीपुर गामक निवासी विमल चंद्र ठाकुर जीक पुत्र छलाह | जून 1980 मे मेजर ठाकुर केँ सैनिक स्कूल तिलैया मे नामांकन भेल। जून 1987 मे ओतय सँ शिक्षा पूरा केलाक बाद मेजर आशुतोष केँ राष्ट्रक सेवाक लेल NDA बैच मे नामांकन कराओल गेल छल जतय कि मेजर आशुतोष अपन उत्कृष्ट सेवाक प्रदर्शन करैत आगू बढ़लाह। 9 जून 1991 क’ जाट रेजिमेंट मे मेजर केँ रूप मे कमीशन भेटलनि । 1996 मे मेजर आशुतोष ओही जाट रेजिमेंटक कमान संभालि रहल छलाह जखन कश्मीर कें बारामुल्ला मे आतंकी मुठभेड़ भेल छल । मेजर आशुतोष आतंकी मुठभेड़ मे देशक लेल शहीद भ’ गेलाह। मरणोपरांत मेजर आशुतोष ठाकुर केँ राष्ट्रपति द्वारा 26 जनवरी 1997 क’ गैलेंट्री (शौर्य चक्र) सम्मान सँ सम्मानित कयल गेलनि ।
Trending Now

शहीद मिथिला सपूत केँ स्मृति मे सैनिक स्कूल तिलैया केँ सर्वश्रेष्ठ बालिका कैडेट आरती केँ ‘मेजर आशुतोष ट्रॉफी’ प्रदान कयल गेल: एहि अवसर पर मेजर आशुतोष खेल परिसरक सेहो उद्घाटन सेहो भेल ।
-