लहरि रूम (रांची) : 4 अगस्त 2025 सोम दिन गंगाराम अस्तपाल मे झारखण्ड राज्य के आंदोलंकारी नेता दिशोम गुरु शिबू सोरेन जी मृत्यु भेला पर समस्त झारखण्ड राज्य मे शोक के लहरि पसरि गेल। कलकत्ता पब्लिक स्कूल, ओरमांझी, रांची में दिवंगत दिशोम गुरु शिबू सोरेन के श्रद्धांजलि देबाक हेतु शोक सभा के आयोजन कयल गेल।




शोक सभा के आरम्भ में दिशोम गुरु के व्यक्तित्व, कृतित्व आ हुनक अवदान के सबंध विशेष चर्चा भेल । झारखण्ड के तीन बेर मुख्यमंत्री, तीन बेर केंद्र सरकार कोयला मंत्री आ 6 बेर लोकसभा सदस्य, राज्य सभा सदस्य एवं बिहार विधानसभा के सदस्य रहल दिशोम गुरु के राजनीतिक जीवन, झारखण्ड राज्य केर परिकलपना आ ओहि पर हिनक अवदान पर चर्चा भेल।
अहि शोक सभा मे विद्यालय के हजारो छात्र -छात्रा संग वॉइस चेयरमैन, प्राचार्य, रेक्टर संग समस्त शिक्षकगण आ सदस्य लोकनि उपस्थित भ’ दू मिनट के मौन धारण कयलनि।
गुरु जी के निधन के कारण सं रांची के अधिकांश विद्यालय काइल दिनांक 5 अगस्त क’ विद्यालय बंद रखबाक घोषणा कयलक अछि।