मुंबई: प्रवर्तन निदेशालय अभिनेत्री शिल्पा शेट्टी आ हुनकर पति अभिनेता-व्यापारी राज कुन्द्रा केँ खिलाफ पैघ कार्रवाई केलक अछि। ईडी वृहस्पति दिन शिल्पा शेट्टी आ राज कुंद्र क’ 98 करोड़ टका क’ संपत्ति जब्त केलक अछि। ई कार्रवाई ईडी द्वारा 6600 करोड़ रुपया केँ बिटकॉइन पोन्जी घोटाला केँ मामला मे कयल गेल अछि । प्रवर्तन निदेशालय वृहस्पति दिन कहलक जे ओ मनी लांड्रिंग मामला क’ जांच केँ तहत अभिनेत्री शिल्पा शेट्टी आ हुनकर पति राज कुन्द्रा केँ पुणा क’ बंगला आ इक्विटी शेयर सहित करीब 98 करोड़ टका क’ संपत्ति जब्त केलक अछि। ई मामला बिटकॉइन कें उपयोग केँ माध्यम सँ निवेशक केँ रूपया सँ धोखाधड़ी करै सँ संबंधित अछि ।
Trending Now
