spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिशीघ्र प्रारंभ होयत 'भारतीय गणराज्यक 16म जनगणना !

शीघ्र प्रारंभ होयत ‘भारतीय गणराज्यक 16म जनगणना !

-

लहरि रूम (रांची) : 2011 के बाद भारतीय गणराज्य मे होबय वाला जनगणना के लेल अधिसूचना जारी भ’ गेल अछि. केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह इ अधिसूचना जारी केलनि। गृह मंत्रालय के अनुसार इ जनगणना 2027 में दू चरण में होयत।एकर लेल हर स्तर के लोक सँ जानकारी लेल जायत। इ जनगणना जनगणना अधिनियम, 1948 आ जाति जनगणना के संबंध मे जारी आधिकारिक राजपत्र अधिसूचना के तहत कराओल जायत । एहि सं पहिने गृहमंत्री शाह सोशल मीडिया पर एकटा पोस्ट मे कहलनि जे, 16म जनगणना मे पहिल बेर जातिगत जनगणना सम्मलित होयत। 34 लाख गणक आ पर्यवेक्षक, 1.3 लाख जनगणना अधिकारी आधुनिक मोबाइल आ डिजिटल उपकरण संग अहि जनगणना कें कार्यक संपादन करताह।

दू चरण मे संपन्न होयत जनगणना कें कार्य….
एहि बेर 16म जनगणना कें प्रक्रिया दू चरण मे पूर्ण कराओल जायत । पहिल चरण 1 फरवरी 2027 तक पूर्ण करेबाक केंद्र सरकार कें योजना अछि , जखन कि दोसर आ अंतिम चरण फरवरी 2027 क’ अंत तक पूरा भ जाएत।1 मार्च 2027 क अर्ध्य रात्रि क’ संदर्भ तिथि मानल जाएत। अर्थात ओहि समय मे देशक जनसंख्या आ सामाजिक स्थितिक आंकड़ा जे किछु होयत , ओहिना रिकार्ड मे दर्ज कयल जायत। एहि दिन सँ आँकड़ा सार्वजनिक रूप सँ सामने आबय लागत। जम्मू-कश्मीर, लद्दाख आ उत्तराखंड जेहन हिमालय आ विशेष भौगोलिक परिस्थिति वाला राज्यऽ मे इ प्रक्रिया अन्य राज्यऽ सँ पहिने अक्टूबर 2026 तक पूर्ण होयबाक योजना अछि । इ निर्णय मौसम केर कठिनाई आ अहि क्षेत्रऽ मे दुर्गम क्षेत्र के अवलोकन करैत लेल गेल अछि । एहि राज्य सभक लेल 1 अक्टूबर 2026 क’ संदर्भ तिथि मानल जाएत।

कोन-कोन जानकारी एकत्रित कएल जाएत?
16म जनगणना मे हर परिवार कें आवासीय स्थिति, संपत्ति आ सुविधाक जानकारी एकत्रित कैल जाएत। एकर बाद जनगणना (PE) के दोसर चरण मे हर घर मे रहय वाला हर व्यक्ति के जनसांख्यिकीय, सामाजिक आर्थिक, सांस्कृतिक आओर अन्य जानकारी एकत्रित कएल जाएत। एहि मे लोकक स्वास्थ्य संबंधी जानकारी सेहो एकत्रित कएल जाएत। अहां के डायबिटीज अछि कि नहि ? एहि तरहक प्रश्न सेहो पूछल जाएत …..

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts