spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिशेख हसीनाक पार्टीक छात्र नेता भारतीय सीमा पर गिरफ्तार

शेख हसीनाक पार्टीक छात्र नेता भारतीय सीमा पर गिरफ्तार

-

कोलकाता/ फरक्का सीमा पर सुरक्षा बल (बीएसएफ) अपदस्थ प्रधानमंत्री शेख हसीनाक अवामी लीगक एकटा छात्र नेताकेँ भारत-बांग्लादेश अंतर्राष्ट्रीय सीमासँ गिरफ्तार कयलक। एकटा अधिकारी रविदिन एहि घटना के पुष्टि कयलनि।

सीमा सुरक्षा बल द्वारा भी एकर पुष्टि कयल गेल अछि। जानकारीक अनुसार अवामी लीगक छात्र नेता अब्दुल कादिर (२७) केँ मुर्शिदाबाद जिलाक रघुनाथगंज थाना क्षेत्रक सीमावर्ती क्षेत्रसँ गिरफ्तार कयल गेल अछि।

ओ स्वीकार कयलक जे ओ बांग्लादेशक नारायणगंजक निवासी छथि। देशमे शेख हसीना सरकारक पतनक बाद बिगड़ैत स्थिति, राजनीतिक पक्षपात, संघर्ष आ हमलाकेँ देखैत ओ ६ अगस्तकेँ अपन जान बचाबय लेल अपन घर छोड़ि देलनि।

ओ कहलनि जे ओ एकटा गुप्त मार्ग आ नदीक माध्यमसँ लगभग ६०० किलोमीटरक यात्राक बाद भारतक सीमामे प्रवेश कयलनि मुदा सीमा सुरक्षा बल हुनका पकड़ि लेलक। एतय बीएसएफ उक्त घुसपैठिया के गिरफ्तार कए रघुनाथगंज थाना के सौंप देलक अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts