spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिश्रीनगर में आतंकवादी हमला, दिल्ली के चालक के मारक गोली

श्रीनगर में आतंकवादी हमला, दिल्ली के चालक के मारक गोली

-

श्रीनगर/ जम्मू-कश्मीर मे एक बेर फेर आतंकवादी अपन कुकृत मे सफल भ’ गेल। दिल्ली के एकटा गाड़ी चालक के गोली मारि देलक। गाड़ी चालक के स्थिति बेसी खराब बतायल जाति अछि। चालक के संदर्भ में बताएल जाइत अछि कि ओ दिल्ली के छल। ओना एकटा सूत्र एहो कहि रहल अछि कि ओ चालक देहरादून के छल।

गोली लगला के बाद चालक के स्थानीय नजदीकक अस्पताल मे भर्ती कैल गेल छल मुदा नाजुक परिस्थिति के देखि ओकरा श्रीनगर भेज देल गेल अछि।

एमहर गोली मारला के बाद आतंकवादी फराल भ’ गेल। सुरक्षाबल के जवान सर्च अभियान चला रहल अछि आ पूरा क्षेत्र के अपना कब्जा मे ल’ क’ घेराबंदी क’ देले अदि। एत कखनो पैघ वारदाल भ’ सकैत अछि। सुरक्षाबलक अधिकारी कहला कि हम सतर्क छी आ कोनो तरहक आक्रमण के सामना क’ सकैत अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts