लहरि रूम : तेसर बेर प्रधानमंत्री बनलाक बाद प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आई वृहस्पति दिन क’ जम्मू-कश्मीर पहुंचलाह। श्रीनगर मे पीएम मोदी जी केँ कार्यक्रम ‘युवा केँ सशक्तिकरण, जम्मू कश्मीर मे परिवर्तन’ मे भाग लेलनि | एहि दौरान जम्मू कश्मीर क’ करीब 3300 करोड़ केँ योजनाक उपहार देलनि । एकर संग संग सरकारी सेवा लेल 2000 सँ बेसी लोक क’ नियुक्ति पत्र सुपुर्द करता ।
काल्हि एसकेआईसीसी, श्रीनगर मे अंतर्राष्ट्रीय योग दिवस केँ मुख्य समारोह केँ नेतृत्व करता |
निर्धारित कार्यक्रम केँ अनुसार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी 21 जून क’ लगभग 6.30 बजे श्रीनगर केँ शेर-ए-कश्मीर अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन केंद्र में 10वां अंतर्राष्ट्रीय योग दिवस कार्यक्रम मे भाग लेता | एहि ठाम ओ लोक क’ संबोधित करताह आ ओकर बाद योग सत्र मे सेहो भाग लेताह। प्रधानमंत्री क’ कश्मीर केँ दू दिनक यात्राक केँ देखैत सुरक्षाक कड़ा इंतजाम कैल गेल अछि। 21 जून ,शुक्रदिन 7 हजार सँ बेसी लोक पीएम मोदीक संग डल झीलक कात मे योग करताह।
Trending Now
