
लहरि रूम (नई दिल्ली ) : दिल्ली हवाई अड्डा सँ जदयू सांसद संजय कुमार झा केर नेतृत्व मे सर्वदलीय प्रतिनिधिमंडल रवाना भ’ गेल। प्रतिनिधिमंडल जापान, इंडोनेशिया, मलेशिया, कोरिया गणराज्य आ सिंगापुरक तक केँ सफर तय करि क’ ऑपरेशन सिंदूर आ आतंकवाद केर विरुद्ध भारत केँ लगातार लड़ाई के बारे मे वृत्तांत, सब देश कें राजनीतिक पटल पर मजबूती सँ रखबाक योजना अछि । प्रतिनिधि मंडल मे राजदूत मोहन कुमार, भाजपा सांसद डॉ. हेमांग जोशी, भाकपा सांसद जॉन ब्रिटास, टीएमसी सांसद अभिषेक बनर्जी, भाजपा सांसद अपराजिता सारंगी, जदयू सांसद संजय कुमार झा, भाजपा सांसद बृज लाल आ भाजपा सांसद प्रदान बरुआ सम्मलित छथि ।
