लहरि रूम (रांची) : हेमंत सोरेन आइ संध्या काल 4 बजे रांची केँ मोरहाबादी मैदान मे भव्य शपथ ग्रहण समारोह मे झारखंड केँ 14म मुख्यमंत्री केँ रूप मे शपथ लेताह। एहि आयोजन मे INDI गठबंधन केँ प्रमुख सदस्य सहित अनेको प्रमुख नेता आओर गणमान्य लोक केँ उपस्थिति केँ उम्मीद अछि। झारखंड राज्य केँ राज्यपाल संतोष कुमार गंगवार वृहस्पति केँ संध्या 4 बजे हेमंत सोरेन केँ मुख्यमंत्री पद हेतु पद आ गोपनीयता केँ शपथ ग्रहण करौता।

I.N.D.I गठबंधन केँ 81 मे सँ 56 सीट प्राप्त भेल अछि
I.N.D.I गठबंधन केँ घटक झामुमो चुनाव मे सबसँ पैघ विजय प्राप्त क’ 43 मे सँ 34 झारखण्ड मे प्रथम पायदान पर अछि । कांग्रेस 16 सीट, राष्ट्रीय जनता दल (राजद) 4 आ भाकपा लिबरेशन 2 सीट पर जीत हासिल केलक। सत्ता बँटवारा केँ व्यवस्था केँ अनुसार झामुमो केँ छह मंत्री पद, कांग्रेस केँ चारि आओर राजद केँ एक पद भेटबाक उम्मीद अछि।
वादा केँ अनुसार भेट सकैत अछि झारखण्ड केँ अनेको सरकारी उपहार !
मुख्यमंत्री पद केँ शपथ लैत हेमंत सोरेन राज्य केँ लोक केँ बहुत रास उपहार द’ सकय छथि। जेना INDI गठबंधन चुनाव सँ पहिने बहुत रास वादा केलक अछि। ओहि संबंध मे घोषणा भ’ सकैत अछि। 11 दिसंबर क’ मईया सम्मान योजना केँ पाँचम क़िस्त 2500 रूपया मईया सम्मान लाभुक केँ खाता मे पठाओल जायत जाहि केँ तैयारी पर सरकार लागि गेल अछि।