
लहरि रूम (रांची) : दिनाँक 26 नवम्बर क’ भारतीय गणराज्य केँ संविधान दिवस केँ अवसर पर कलकत्ता पब्लिक स्कूल, ओरमांझी- रांची मे छात्र सबके सविधान दिवस आओर एहि केँ महत्ता केँ जानकारी देबाक लेल विशेष सभा केँ आयोजन कयल गेल। जाहि मे संविधान दिवस केँ महत्व पर विशेष चर्चा भेल आ छात्र, शिक्षक आ अन्य सब एक स्वर मे संविधान केँ प्रस्तावना केँ पाठ केलनि । छात्र सबके सेहो राष्ट्रिय नागरिकता सँ ल’ क’ सामाजिक नागरिकता केँ सविधानक अनुसार कोना आदर्श नागरिक बनब ताहि केँ प्रायोगिक कार्यशाला विद्यालय प्रबंधन द्वारा कयल गेल। एहि अवसर पर स्कूल निदेशक प्रभाष कुमार झा, उप निदेशक मिथिलेश कुमार मिश्र, प्राचार्य श्रीमती प्रियमदा झा , प्रशांत झा आ स्कूल परिवारक समस्त सदस्य उपस्थित छलाह |