spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिसंसद भवन : विपक्ष केँ सरकारक विरुद्ध हल्ला बोल , भाजपा कहलक-...

संसद भवन : विपक्ष केँ सरकारक विरुद्ध हल्ला बोल , भाजपा कहलक- बजट मे सबहक ध्यान राखल गेल !

-

नई दिल्ली : संसद भवन मे आइ केंद्रीय बजट 2024 आ केंद्रीय क्षेत्र जम्मू कश्मीर क’ लेल 2024-2025 क’ बजट पर चर्चा शुरू भेल । आई केँ (बुधदिनक ) कार्यवाही केँ शुरुआत हंगामेदार तरीकासँ प्रारम्भ भेल । विपक्षक सांसद लोकनि बजट केँ विरोध करय लगलाह। इंडिया ब्लॉक केँ सांसद सब आरोप लगौलनि अछि जे बजट गैर भाजपा शासित राज्य केँ संग भेदभावपूर्ण अछि। केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण 23 जुलाई क’ मोदी 3.0 सरकारक पहिल बजट पेश कयलनि । अपन सातम रिकॉर्ड बजट मे निर्मला सीतारमण आर्थिक विकास केँ बढ़ावा दै आओर पर्याप्त अवसर उत्पन्न करबाक उद्देश्यक प्रमुख प्राथमिकता केँ रूपरेखा प्रस्तुत कयलनि । एहि मे कृषि, रोजगार आ कौशल आ सेवा मे उत्पादकता आ लचीलापन सम्मलित अछि ।

लोकसभा बैसार बुधदिन हंगामा सँ प्रारम्भ भेल आ विपक्षी सदस्य सब सदन मे राज्य केँ बजट आवंटनक मुद्दा उठेबाक कोशिश केलनि मुदा जखन हुनका कुर्सी सँ अनुमति नहि देल गेल त’ ओ सब सदन सँ वाक आउट केला , जकर बाद सदन केँ काज सदन मे सुचारू रूपेँ चलैत रहल।

लोकसभा मे वर्ष 2024-25 क’ बजट पर आम चर्चा मे भाग लैत भाजपा सांसद विप्लव कुमार देव कहला जे भारत मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ नेतृत्व मे पारदर्शी आर्थिक व्यवस्था लागू कैल गेल अछि।केंद्रीय बजट मे बहुत रास राज्यक संग ‘भेदभाव’ सँ जुड़ल विपक्षक आरोप केँ खारिज करैत भारतीय जनता पार्टी बुधदिन लोकसभा मे कहलक जे एहि मे सब राज्य आ सब वर्ग केँ ध्यान मे राखल गेल अछि आ आइयो एहि मे प्रावधान अछि जनताक लेल ‘मोदी के गारंटी’ कायम अछि।

केंद्रीय बजट केँ ‘चेयर बचाओ आ जुमला बजट’ कहैत कांग्रेस बुधदिन कहलक जे एहि बजट मे मात्र दूटा राज्य बिहार आ आंध्र प्रदेश केँ मेहरबानी देखाउल गेल अछि, मुदा देश क’ अन्य राज्य, किसान आ गरीब केँ अनदेखी कैल गेल अछि। वर्ष 2024-25 केँ केंद्रीय बजट पर लोकसभा मे आम चर्चा के शुरुआत करैत कांग्रेस सांसद कुमारी सेल्जा इहो दावा केलनि जे ‘कुर्सी को बचाओ और मित्रों पर लुटाओ’ एहि सरकार केँ अंतिम नारा अछि।

तृणमूल कांग्रेस केँ सांसद कीर्ति झा आजाद द्वारा आई केंद्र सरकार पर संविधान बदलबाक कोशिश करबाक आओर जानि बुझी क’ विभिन्न आयोग केँ अध्यक्ष पद केँ खाली रखबाक आरोप लगबैत मांग कयलनि जें देश मे दलित आओर पिछड़ा सबके सामाजिक न्याय भेटै ताहि लेल जल्द सँ जल्द एहि पद सबके भरबाक चाही।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts