नई दिल्ली : संसद भवन – राहुल गांधी बनाम पीएम नरेंद्र मोदी : राहुल गांधी सोमदिन लोकसभा मे कहलनि जे भाजपा सांसद के निशाना बनाबैत ओ अपना केँ हिन्दू कहैत छथि मुदा हिंसा केँ बात करैत छथि। एहि पर पीएम मोदी तुरंत टोकैत कहलनि जे पूरा हिन्दू समाज केँ हिंसक कहब गलत अछि।
राहुल आगू कहलनि जे, जे अपना केँ हिन्दू कहैत छथि ओ हिंसा केँ हिंसा कहैत छथि। एहि पर सदन मे हंगामा मचि गेल। तखन राहुल गांधी आगू कहलनि जे तीर सही जगह पर लागल अछि ताहि लेल हल्ला क’ रहल छथि।
राहुल कहलनि जे, भारतक इतिहास मे तीन टा विचार काज करैत अछि। एक दिन मोदी अपन साक्षात्कार मे कहलनि जे भारत ककरो पर हमला नहि केलक। एकर कारण ई छै कि भारत अहिंसा केँ देश छैक । ई देश डरक देश नहि अछि । हमर सब महापुरुष अहिंसा आ भय समाप्त करबाक बात केने छथि। शिवजी कहैत छथि जे डरू नहि , डराऊ नहि। शिव जी अभय मुद्रा लोक केँ देखबई छथि । मुदा, जे अपना केँ हिन्दू कहैत छथि, ओ केवल हिंसा, घृणा आ असत्य केँ बात करैत छथि ।