spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिसंस्कृत दिवस केँ आयोजनक संग कार्यकर्त्ता सम्मलेन भेल संपन्न : अंतर्राष्ट्रीय मैथिली...

संस्कृत दिवस केँ आयोजनक संग कार्यकर्त्ता सम्मलेन भेल संपन्न : अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद, झारखंड प्रदेश

-

राँची : ‘संस्कृत दिवस सह कार्यकर्त्ता सम्मलेन ’ केँ आयोजन अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद, झारखंड प्रदेश द्वारा रांची जिला केँ हरमू स्थित स्वागतम वैंक्वेट हॉल कयल गेल । कार्यक्रम दू चरण मे संचालित भेल। कार्यक्रम केँ शुभ आरम्भ कवि कोकिल विद्यापति केँ द्वारा रचित गोसवानी गीत जय जय भैरवी, असुर भयावणी सँ भेल। संस्कृत दिवस पर वक्ता केँ रूप मे आमंत्रित डॉ. चंद्रमाधव सिंह – राज्य प्रशिक्षण प्रमुख, संस्कृत भारती, झारखंड द्वारा संस्कृत भाषा केँ विशिष्टता आ महत्व पर हुनक विचार व्यक्त भेल । ओ कहलनि जे संस्कृत भाषा देवताक भाषा थिक एहि भाषाक सम्मान करबाक लेल हमरा लोकनि केँ अपन देश भारतक सभ्यता आ संस्कृतिक सम्मान करय पड़त। डॉ. चंद्रमाधव सिंह आ उपस्थित गणमान्य लोक केँ स्वागत अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद, झारखंड राज्य केँ अध्यक्ष अमरनाथ झा एवं धन्यवाद ज्ञापन प्रांतीय अध्यक्ष गंगाप्रसाद यादव कयलनि |

विचारक आदान-प्रदान केँ संग कार्यपालिका केँ भेल विस्तार

आयोजनक दोसर सत्र कार्यकर्त्ता सम्मलेन केँ शुभ आरम्भ झारखण्ड प्रदेशक अध्यक्ष अपन वक्तव्य सँ कयलनि ओ संगठन केँ लोक केँ आग्रह कयलनि जे सर्वप्रथम रांची जिला केँ संगठित करैत सम्पूर्ण झारखण्ड मे अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद केँ जिला ,वार्ड संग पंचायत स्तर तक अपन उपलब्धता बनेबाक प्रयास करबाक अछि। कार्यकारिणी बैठक मे बिनोदानंद झा ‘बुबू जी’ केँ सर्वसम्मति सँ अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद, झारखंड प्रदेश केँ संरक्षक बनाओल गेल | परिषद केँ रांची जिला केँ उपाध्यक्ष विद्यानंद ठाकुर आ महेश्वर साहनी केँ संग डॉ. निशांत कुमार झा आ डॉ. निराला पाठक केँ संयुक्त सचिव केँ रूप मे नियुक्त कयल गेल। राधेश्याम यादव केँ रांची जिला केँ कोषाध्यक्ष केँ दायित्व देल गेल अछि। संगठन सचिव केँ जिम्मेदारी अशोक सिंह जी केँ देल गेल अछि जे संस्था के एकजुट करथि। अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद मे मिथिलानी लोकनिक अधिकतम सहभागिता सुनिश्चित करबाक लेल रीना मिश्रा जी केँ झारखंड प्रदेश केँ संयोजीका नियुक्त कयल गेल । एहि अवसर पर भुवन किशोर झा अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक विगत इतिहास आ वर्तमान परिप्रेक्ष्य पर प्रकाश दैत अपन बयान प्रस्तुत केलनि । ओ सुझाव देलनि जे अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् द्वारा पहिने प्रकाशित पत्रिका संदेश केँ फेर सँ शुरू कयल जाय आ अन्य संस्था सँ भिन्न काज कयल जाय । किशोर झा द्वारा सम्पूर्ण कार्यक्रमक केँ संचालन कयल गेल । एहि अवसर पर भारतीय जनता पार्टी, झारखण्ड प्रदेश महिला मोर्चा केँ प्रवक्ता कुमुद झा , संरक्षक विनोदानंद झा, झारखंड प्रदेश अध्यक्ष अमरनाथ झा, महासचिव अजय झा, कोषाध्यक्ष विलात पोद्दार, प्रांतीय उपाध्यक्ष गंगा प्रसाद यादव, रांची के जिला अध्यक्ष वीरेन्द्र कुमार झा, महासचिव राजीव झा, आशुतोष त्रिवेदी, काशिकांत झा, मृत्युंजय झा , काशी कांत झा सुधीर ठाकुर, उपेन्द्र झा, भुवन किशोर झा, अवधेश ठाकुर सहित अनेको गणमान्य लोग उपस्थित छला |

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts