नई दिल्ली : संसद केँ मानसून सत्र शुरू होय सँ महज एक दिन पहिने आई रवि दिन क’ आयोजित सर्वदलीय बैठक मे कांग्रेस द्वारा विपक्षक लोकसभा केँ उपसभापति पदक मांग कयल गेल आओर NEET सहित पेपर लीक सँ जुड़ल अन्य मुद्दा संसद सत्र मे उठाबै केँ स्पष्ट संकेत देल गेल। एहि बेरक मानसून संसद सत्र खूब हंगामेदार होयत से आजुक बैसार सँ बुझना गेल । एतबे नहि सरकारक सहयोगी दल सेहो विशेष दर्जा केँ मुद्दा उठबैत केंद्र केँ अपन प्राथमिकता केँ स्पष्ट संकेत देलक।
संसद केँ ई सत्र केना होयत एहि केँ अंदाजा ई बात सँ लगाय सकै छै कि जखन संसदीय मामला केँ मंत्री किरेन रिजिजू दूनू सदन केँ सुचारू रूप सँ चलबैक लेल प्रत्येक पार्टी सँ सहयोग मांगलनि तँ कांग्रेस नेता गौरव गोगोई बैसार मे कहलन जे संसद मे विपक्ष केँ प्रश्न उठेबाक अनुमति हेबाक चाही । सूत्रक अनुसार खबरि आबि रहल अछि जे समाजवादी पार्टीक सांसद रामगोपाल यादव उत्तर प्रदेश सरकार द्वारा काँवर मार्ग पर भोजनालयक मालिकक नाम देखाबय लेल देल गेल विवादित निर्देशक मुद्दा उठेलनि।
बैसारक अध्यक्षता रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह आ संचालन संसदीय मामिला मंत्री रिजिजू केलनि। कांग्रेस नेता जयराम रमेश अपन वक्तव्य मे कहलनि जे संसद सत्र सँ पूर्व आयोजित सर्वदलीय बैठक मे जनता दल (यूनाइटेड ) आओर वाईएसआर कांग्रेस द्वारा क्रमशः बिहार आओर आंध्र प्रदेश लेल विशेष राज्यक दर्जा केँ मांग कयल गेल लेकिन ‘अजीब’ बात ई छेल जे तेलुगु देसम पार्टी (टीडीपी) ) एहि मामला पर चुप रहल ।
सोमदिन 22 जुलाई 2024 सँ प्रारम्भ होबय वाला सत्र केँ क्रम मे मंगलदिन वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण द्वारा केंद्रीय बजट पेश कयल जायत। सोमदिन सँ सत्र प्रारम्भ भ’ 12 अगस्त 2024 तक एहि मानसून सत्रक प्रस्ताव अछि। एहि दौरान 19टा बैसार हेबाक अछि। उम्मीद अछि जे सरकार एहि सत्र मे छहटा विधेयक पेश करत, जाहि मे 90 साल पुरान विमान अधिनियम क’ बदलबेबाक एकटा विधेयक सम्मलित अछि। एहि दौरान जम्मू-कश्मीर केँ बजट केँ सेहो संसद सँ मंजूरी देनाइ एहि सत्र मे सरकार केँ दायित्व अछि। वर्तमान मे राष्ट्रपति के शासन एहि पूर्ववर्ती प्रदेश मे लागल अछि | सीतारमण सोमदिन संसद मे आर्थिक सर्वेक्षण सेहो पेश करती ।