spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिसांस्कृतिक महाकुंभ दिनांक 17 नवम्बर क' ताऊ देवी लाल स्टेडियम, गुरुग्राम मे...

सांस्कृतिक महाकुंभ दिनांक 17 नवम्बर क’ ताऊ देवी लाल स्टेडियम, गुरुग्राम मे : मिथिलांचल जन सेवा समिति , गुरुग्राम

-

हरियाणा, मैथिली , भोजपुरी आ उड़िया केँ कलाकार लोकनि द्वारा होयत सांस्कृतिक आ रंगारंग कार्यक्रम

लहरि रूम (नई दिल्ली ) : हरियाणा दिवस केँ अवसर पर मिथिलांचल जन सेवा समिति द्वारा रविवार 17 नवम्बर क’ ताऊ देवी लाल स्टेडियम, राजीव चौक, गुरुग्राम मे सांस्कृतिक महाकुंभ के आयोजन कयल जा रहल अछि। जाहि मे मैथिली , भोजपुरी, उड़िया, बंगाली आओर हरियाणा केँ कलाकार लोकनिक द्वारा सांस्कृतिक एवं रंगारंग कार्यक्रम केँ प्रस्तुति होयत । कार्यक्रम साँझ 4 बजे सँ 9 बजे धरि चलत। उपरोक्त जानकारी मिथिलांचल जन सेवा समिति के अध्यक्ष आनंद चौधरी, महासचिव विश्व विजय झा, सचिव हाजी मोहम्मद समसुल आ कोषाध्यक्ष सत्य नारायण शर्मा द्वारा देल गेल अछि |

मिथिलांचल जन सेवा समिति केँ अध्यक्ष आनंद चौधरी जानकारी देलनि जें हरियाणा के प्रसिद्ध लोक गायक महावीर गुड्डू, मैथिली भाषा केँ प्रसिद्ध लोक गायिका पूनम मिश्रा, देवानंद झा, अभिनेता राज चौहान, उड़ीसा सँ कलाकार निवेदिता, भोजपुरी गायिका प्रीति प्रकाश, संगीत निर्देशक किशोर वत्स केँ संग अशिति झा, राजीव कुमार झा, रत्नेश तिवारी, साथी उमेश, अदिति झा, सपना सरवान, भोजपुरी गायक राजू राज आदि कलाकार अपन प्रस्तुति देता । ओ कहलनि जे, सांस्कृतिक महाकुंभ के आयोजन दोसर बेर संस्था द्वारा ताऊ देवी लाल स्टेडियम मे कयल जा रहल अछि।

मिथिला जन सेवा समिति केँ महासचिव विश्व विजय झा कहलनि जे गुरुग्राम मे मिथिला, पूर्वांचल, उड़ीसा आ बंगाल केँ लाखों लोक रहैत छथि। गुरुग्राम मे रहनिहार मिथिला आ पूर्वांचल केँ लोक सब संस्था केँ कार्यक्रम केँ आयोजन मे पूर्ण सहयोग द’ रहल छैथ। हरियाणा केँ लोक सेहो एहि आयोजन मे मदद करि रहला अछि। कार्यक्रम मे लोक, विभिन्न पूर्वांचली, मिथिलांचली, उड़ीसा, बंगाली संस्था आ छठ पूजा केँ आयोजनकर्ता लोकनि केँ आमंत्रण देल जा रहल अछि। एहि कार्यक्रम केँ लs क’ लोक मे काफी उत्साह अछि। उम्मीद अछि जे एहि कार्यक्रम केँ देखबा लेल हजारों दर्शक आयता। महिला केँ सुरक्षा केँ लेल विशेष ध्यान राखल गेल अछि। कार्यक्रम मे भाग लेबय लेल पूरा दिल्ली एनसीआर, मिथिलांचल, पूर्वांचल, उड़ीसा, पश्चिम बंगाल केँ लोक ऐता।

आयोजन केँ सफल बनेबाक लेल खंडसा मंडी मे मिथिला जन सेवा समिति केँ पदाधिकारी लोकनि केँ बैसार भेल जाहि मेंआनंद चौधरी अध्यक्ष, विश्व विजय झा, महासचिव, हाजी मोहम्मद समसुल सचिव, सत्यनारायण शर्मा कोषाध्यक्ष, शिव कुमार शाह सह कोषाध्यक्ष, मनोज झा संगठन सचिव, सुबोध झा मुख्य सलाहकार, पंकज झा सह संगठन सचिव, राम बालक चौरसिया संरक्षक, अकबर नद्दफ सह सचिव, घानानंद झा उपाध्यक्ष, विपिन जायसवाल, देवानंद यादव, प्रमोद कुमार, असरफिलाल गुप्ता, हेम नारायण, गगन सोनी, लालबाबू गुप्ता, बेचन मुखिया, मोहम्मद असलम संग अनेकों सदस्य लोकनि उपस्थित छला |

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts