रांची : सामाजिक आर्थिक एवं संसदीय अध्ययन केंद्र केँ प्रतिनिधिमंडल आय रांची केँ सांसद सह केंद्रीय रक्षा राज्य मंत्री संजय सेठ सँ भेंट कs क’ शाल ओढ़ा गुलदस्ता दs क’ हुनका सम्मान सम्मानित कयलक । संस्था द्वारा रांची आओर झारखंड मे रक्षा मंत्रालय केँ तरफ सँ महत्वपूर्ण विकास उन्मुख कार्यक्रम/योजना केँ संबंध मे विस्तृत ज्ञापन सेहो देलक । राज्यक छोट शैक्षणिक बौद्धिक संस्थान द्वारा रांची मे आर्मी मेडिकल कॉलेज खोलय, झारखंड मे कतहु या रांचीक आसपास आयुध या अन्य सैन्य सेवा उपकरण/संयोजन उद्योग स्थापित करबाक ,रांची मे पुणा केँ तर्ज़ पर स्पोर्ट्स यूनिट खोलबाक आग्रह ज्ञापन केँ माध्यम सँ कयल गेल । प्रतिनिधि मंडल द्वारा ज्ञापनक माध्यम सँ रांची केँ प्राकृतिक स्थिति केँ अवलोकन करैत सेना एडवेंचर नोड खोलबाक ,राज्य मे बेरोज़गारी,गरीबी, पलायन के मद्देनजर संस्था द्वारा रांची,पलामू,दुमका, चाईबासा मे विशेष नियोजन कार्यक्रम चलेबाक बात कहल गेल ।
संस्थाक सचिव अयोध्या नाथ मिश्र द्वारा ज्ञापनक वाचन क’ विविध पहलु पर प्रकाश केंद्रित कयल गेल तथा रांची मे सैन्य सेवा तकनीकी प्रशिक्षण केन्द्र, नेतरहाट, दुमका या चाईबासा मे एकटा सैनिक स्कूल खोलबाक तथा पूर्व क्षेत्रीय एन डी ए रांची मे स्थापित करबाक सेहो आग्रह कयल गेल।
प्रतिनिधि मंडल मे संस्थाक सचिव अयोध्या नाथ मिश्र जीक संग ओ पी लाल -अध्यक्ष, नवीन कुमार झा – कोषाध्यक्ष, अमरनाथ झा -संयुक्त सचिव,से. नि. जी एम सेल – अरूण कुमार, किशोर मालवीय, प्रमोद पांडेय,अजय तिवारी , कुमुद झा, सहित ग्यारह सदस्य सम्मलित छला ।