spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिसाहित्यिक आयोजन सँ भेल शुभारम्भ : आइ 29 मार्च सँ हरमू मैदान,रांची...

साहित्यिक आयोजन सँ भेल शुभारम्भ : आइ 29 मार्च सँ हरमू मैदान,रांची में दू दिनक होयत विराट सांस्कृतिक समागम

-

लहरि रूम (रांची) : तीन दिवसीय विद्यापति पर्व का उद्घाटन झारखंड मैथिली मंच के तत्वावधान में आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व के तीन दिवसीय रजत जयंती समारोह के प्रथम दिन प्रातः 9 बजे पारम्परिक मिथिला परिधान मे सजि -धजि सदस्यगण लोकनि विद्यापति दलान हरमू सँ प्रस्थान क’ रांची जिला के मेन रोड पर स्थित मैथिल कवि कवि कोकिल महाकवि विद्यापति के प्रतिमा पर पुष्प श्रद्धांजलि अर्पित कयलनि | माल्यार्पण उपरांत झारखण्ड मैथिली मंच, रांची के कार्यालय विद्यापति दलान पर मे रांची के पूर्व उप महापौर अजय नाथ शाहदेव द्वारा दीपप्रज्वलित क’ त्रिदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व रजत जयंती समारोह के उद्घाटन कयल गेल। दिप प्रज्जवलन उपरांत उपस्तिथ मिथिलावासी लोकनिक द्वारा कविराज विद्यापति रचित गीत जय जय भैरवी असुर भयावनी गीत गाबि माँ भगवती के आराधना कयल गेल। एहि तरहक आयोजनक प्रशंसा करैत श्री शाहदेव कहलनि जे हम सब अहाँक अपन अंग छी आ जखन कखनो हमर सेवाक आवश्यकता होयत तखन हम सब सदिखन तैयार रहब। अध्यक्ष श्री विनय कुमार झा द्वारा अतिथि लोकनिक स्वागत कयल गेल |

प्रथम सत्र मे श्री बुद्धिनाथ झा द्वारा लिखल गेल मैथिली ऐतिहासिक महाकाव्य ॐ महाभारत पर चर्चा भेल । मैथिली भाषा मे महाभारत महाकाव्य जाहि के लेखक बुद्धिनाथ झा (मधुबनी के नागदह के मूल निवासी, वर्तमान मे बोकारो मे प्रवासी) छथि हिनक उक्त महाकाव्य तीन विशाल खंड मे अछि | महाकाव्य पर बहुत सार्थक समीक्षा चर्चा भेल । एहि मे हित नाथ झा, हीरेन्द्र कुमार झा, श्रीमती शैलाजा झा, बुद्धिनाथ झा आदि अपन बहुमूल्य विचार व्यक्त केलनि । कार्यक्रम के संचालन हितनाथ झा जी केलनि। एकर बाद उड़ीसा सँ आयल श्रीमति सरोज झा आ श्रीमति ममता मिश्रा के साल द’ क’ सम्मानित कैल गेल ।

दोसर सत्र मे भव्य काव्यगोष्ठी के आयोजन कयल गेल। जाहि केर अध्यक्षता वरिष्ठ कवि बुद्धिनाथ झा एवं मंच के संचालन बद्रीनाथ झा द्वारा कयल गेल ।कवि मे सुकुमार नाथ झा, अंजू झा, विनोद कुमार झा, शैलजा झा, उमेश मंडल, कौशल किशोर झा, हितनाथ झा, सिया राम झा सरस, डॉ. कृष्ण मोहन झा, विजेन्द्र उपाध्याय आदि अपन-अपन तरीका सँ प्रबुद्ध आ बुद्धिमान श्रोता लोकनि केँ प्रेम, वीर, विरह, भक्ति आ भावक भाव के प्रस्तुति सँ मंत्रमुग्ध कयलनि । मंच के महासचिव जयंत कुमार झा अपन भावना व्यक्त करैत उपस्थित लोक के धन्यवाद देलनि । अंत मे संरक्षक अरुण कुमार झा अपन विचार व्यक्त करैत विद्वान लोकनि सँ आह्वान केलनि जे सार्थक रचनाक सृजन करैत साहित्यिक धरोहर केँ आगू बढ़ेबाक लेल अपन सामर्थ्यक उपयोग करथि । मोहन झा पड़ोसी अपन आभार व्यक्त केलनि। कार्यक्रम के सफल बनेबा नंद किशोर महतो, ब्रज किशोर झा, रणधीर झा, बाबू लाल झा, ब्रज कुमार झा, कैलाश झा, प्रकाश चंद्र झा, इन्द्रजीत यादव,नारायण तिवारी, संतोष कुमार झा,नरेश झा संग अनेको मिथिलावासी के सहयोग रहलनि |

29 मार्च शनि दिन के कार्यक्रम
रजत जयंती समारोह के दोसर दिन सांझ मे हरमू मैदान मे त्रिदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व रजत जयंती समारोह के विराट सांस्कृतिक आयोजन के शुभारम्भ होयत। अहि आयोजनक शुभारंभ मुख्य अतिथि के रूप मे आदरणीय मुख्यमंत्री श्री हेमंत सोरेन, विशेष अतिथि माननीय राज्यसभा सांसद श्री दीपक प्रकाश सहित अनेक गणमान्य के कर कमल सँ होयत |जाहि मे मैथिली स्वर कोकिला विख्यात रंजना झा के संग आओल समूह के द्वारा विभिन्न विधा खास क’ जटिन जटिन, झिझिया, डोमकछ आदि के गीत आ नृत्य के आकर्षक प्रस्तुति होयत। एहि के अलावा अलावा दिल्ली सँ निखिल महादेव झा आ सोनी चौधरी, गुवाहाटी सँ डॉली तालुकदार, जमशेदपुर स॑ मिथिलेश कुमार मिश्र, रांची सँ बबिता झा आदि कलाकार सब अपन प्रस्तुति सँ देता ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts